नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा के नाम भेल बदनाम...

दरभंगा मे आई-काल्हि सबहक जुबान पर एकहिं टा चर्चा अछि जे दरभंगा के ... मिथिला के नाम माइट मे मिला देल गेल. दरअसल रवि दिन लहेरियासराय के स्टेडियम मे रियलिटी शो के नाम पर बॉलीवुड नाइट के आयोजन कएल गेल छल. एकर आयोजन गायत्री फाउंडेशन के ओर सं कएल गेल. गायक मे मो. अजीज. जॉली दास आओर फेम गुरुकुल स्टार रूपरेखा बनर्जी अपन कार्यक्रम पेश कएलाह. कलाकार सभ सेहो मिथिला मे कार्यक्रम पेश करय के नाम पर उत्साहित छलाह. दर्शक सभ के संग सेहो मिललन्हि. हुनकर सभ के कहनाय छलन्हि जे मिथिला के बारे मे जे सुनने छलहुं से पएलहुं . मुदा पाई देबय के नाम पर काफी हो हंगामा भेल. कलाकार सभ के जे साटा भेल छल...जतेक पाई देबय के तय भेल छल उ त छोडुं सिर्फ भाड़ा दs क विदा कएल गेल. पाई लेबय लेल कलाकार आओर म्यूजिकल ग्रुप एम्हर सं ओम्हर दौड़त रहलाह आओर आयोजक के कोनो था-पता नहिं रहल... परा गेलाह. स्टेज वाला सं लs क होटल वाला तक सभ के पाई बकाया. होटल वाला त अंत मे आयोजक के होटल मे बंद कs देलाह मुदा ओ ओहिठाम सं सेहो केना पराs गेलाह . ककरो पता नहिं चलल. पटना सं आएल स्टेज कलाकार आओर स्टेज बनाबय वाला सभ पाई के लेल दिन भर एम्हर सं ओम्हर करैत रहलाह. शिकायत सेहो कएल गेल... मामला के निपटारा करय के प्रयास जारी अछि. मुदा एहि सं दरभंगा आओर मिथिला के छवि के काफी नुकसान भेल. काफी बदनामी भेल. आब ओ कलाकार जतय जएताह कहताह दरभंगा गेल छलहुं एहन स्वागत भेल जे तय पाइओ नहिं मिलल. एकर भरपाई कहिओ नहिं भs सकैत अछि . ई हमरा सभ के लेल शर्म के बात अछि. डूबि मरय के गप्प अछि. एहि सं नीक छल कोनो मैथिलीए कार्यक्रम करैतहुं कम पाई मे.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु