नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सुमनजीक जयंती...

आचार्य सुरेन्द्र झा सुमन जीक जयंती दरभंगा मे मनाएल गेल. हिन्दी... मैथिली... संस्कृत के विद्वान आओर पूर्व सांसद सुमन जीक जयंती समारोह दरभंगा के चंद्रधारी म्यूजियम मे भेल. जयंतीक लेल एकटा समिति सेहो बनाएल गेल छल कमलाकांत झा जीक अध्यक्षता मे. एहि अवसर पर एकटा स्मारिका केर विमोचन सेहो कएल गेल. समारोह केर शुरूआत चंद्रमणि जीक शिवपंचाक्षरी गायन सं भेल. एकर रचना सुमनजी कएने छलखिन्ह. एहि समारोह मे संस्कृत आओर मैथिली के विद्वान के सम्मानित सेहो कएल गेल. संस्कृत केर लेल डॉ उपेन्द्र झा आओर मैथिली केर लेल अमलेन्दु शेखर पाठक जी के सुमन साहित्य सम्मान सं सम्मानित कएल गेल. एहि अवसर पर बिहार विश्वविद्यालय के पूर्व कुलपति के कहनाय छलन्हि जे सुमन जी सिर्फ मैथिली के नहिं वरन भारतीय साहित्य के पुरोधा छलखिन्ह. हिन्दी साहित्य केर समालोचक प्रो. अजित कुमार वर्मा जीक कहनाय छलन्हि जे आचार्य सुमन जी राष्ट्रीयता... मानवीयता आओर मिथिला के प्रतीक छलाह. वो राजनीति... जाति ... भाषा बंधन से उपर समग्र मिथिला के युगपुरूष छलाह. समारोह मे काव्य पाठ सेहो भेल जेहि मे डा. विद्याधर मिश्र... डा. शशिनाथ झा... डा. गणपति मिश्र... मैथिलीपुत्र प्रदीप... डा. फूलचन्द्र झा प्रवीण आओर हरिश्चन्द्र हरित जी काव्यपाठ कएलाह. गीत नाद के कार्यक्रम मे चन्द्रमणिजी... अरविन्द कुमार झा... ओमप्रकाश सिंह आओर हीरा कुमार झा जी अपन संगीत कार्यक्रम प्रस्तुत कएलखिन्ह.


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु