Skip to main content

झंझारपुर-लौकहा बड़ी लाइन

अगिला चुनाव सं पहिले विकास केर काज मे तेजी आबि रहल अछि. खबर अछि जे झंझारपुर सं लौकहा के बीच छोटी लाइन के बड़ी लाइन मे बदलय के काज एहि मास सं शुरू भs जाएत. रेल विभाग के कोशिश 12 अक्तूबर सं काज शुरू कs देबय के अछि. उम्मीद अछि जे एहि पर 355 करोड़ रुपया के खर्च आएत. रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव जी मिथिला पर किछ खास ध्यान दs रहल छथिन्ह. एहि के लेल दरभंगा केर सांसद आओर केंद्रीय मंत्री मो. अली अशरफ फातमी जी... मधुबनी के प्रतिनिधि केंद्रीय गृहराज्य मंत्री डॉ शकील अहमद जी आओर सांसद देवेंद्र यादव जी... ई तीनु गोटा मिलि कs बेसि सं बेसि काज अपन मिथिला मे लाबय के कोशिश करय छथिन्ह. अगर राज्य सरकार आओर केंद्र सरकार के बीच तालमेल रहैत त आओर बेसि काज होएत. दुनु ठाम दु सरकार भेलाह सं ओतेक तालमेल नहि जमय छै. मुदा एकर फायदा सेहो छै. राज्य सरकार बीच- बीच मे हुड़काबैत सेहो रहैत अछि. स्वस्थ आलोचना... प्रतियोगिता... एक दोसरा सं बेसि काज कराबय के इच्छा ... एहि सं विकास सेहो रफ्तार पकड़ छै. राज्य सरकार चाहैत अछि जे ओ केंद्र सं बेसि काज करय आओर केंद्र सरकार के कोशिश सेहो रहय छै जे कोनो क्षेत्र मे राज्य सरकार सं पाछां नहिं रहि. एकर फायदा लोक के मिलैत अछि. भगवान सं प्रार्थना करु जे साठ साल धरि उपेक्षित रहल अपन मिथिलांचल मे विकासक किछ काज होएय...रफ्तार पकड़य. एहि के लेल गाम- घर के लोक सभ के अपन-अपन समस्या...परेशानी...दुख सं अपन विधायक... सांसद.. प्रतिनिधि सभ के बीच -बीच अवगत सेहो कराबैत रहय पड़तन्हि. हुनका सभ के कहिओ सड़क.. त कहिओ बिजली.. त कहिओ टेलीफोन... त कहिओ रेलगाड़ी मे भीड़भाड़...त कहिओ रोजगार के समस्या सं दु चारि कराबैत रहिऔ. ओ जानताह तखन नहि किछ करताह. लोकतंत्र मे कनि बेसि जागरूक होए पड़य छै नहिं त सभ किछ मे पिछड़ि जाएब. अखन शिक्षा क्षेत्र मे केंद्रीय विश्वविद्यालय केर मांग कs सकय छी. बिहार मे एकटा बनय वाला अछि ओकरा मिथिलांचल मे लाबय के कोशिश करु. ई कोशिश करु जे मिथिलांचल मे बीपीओ सेंटर खुलय... आईटी के विकास होय... नबका- नबका संस्थान खुलय... आईआईएम... आईआईटी... आईआईएमसी... दोसर संस्थान सभ. एकरा लेल हल्ला त करय पड़त. बिना आवाज उठएले किछ नहिं होएत.


Comments

  1. पढ़ कs अत्यधिक प्रसन्नता भेल जे मिथिलांचल में किछु विकासक काज भs रहल ऐछ. सकरी झंझारपुर लौकहा रेल लाइन के आमान परिवर्तन केर घोषणा एकटा शुभ संकेत ऐछ मुदा जाबे धेर अहि घोषणा केर अमली जामा नै पहिरावल जैत ताबे धेर संतुष्टि नै हैत. झंझारपुर और निकटवर्ती क्षेत्र के लेल रेल लाइन एकटा जीवन रेखा जेंका छी. ओई समूचाs क्षेत्रक लोक सब रेलवे के माध्यम से समूचा भारत वर्ष सों जुडल छैथ. दरभंगा जयनगर बड़ी लाइन भेला के बाद, झंझारपुर क्षेत्रक लोक सब के किछु समस्या भ रहल छेलन. कियाक त s सकरी रेलवे स्टेशन पर ट्रेन बदल पड़े छेलन, जतs कि यात्री सुविधा के खास आभाव छल. संगहिं दूर के यात्री जेना कि दिल्ली, बॉम्बे, कलकत्ता सबs से अबे वाला यात्री सब के विशेष समस्या होई छेलन. पहिने दरभंगा में ट्रेन बदलू, फेर सकरी में बदलू आ तहन झंझारपुर जौ. आब बड़ी लाइन भs गेला सs नहि केवल दरभंगा झंझारपुरक लोक सब कs बल्कि पूरा मिथिलांचलक लोकनिक क फयदा हेतन. घोषणा सs बहुत प्रसन्नता भेल. रेल मंत्री श्री लालू प्रसाद यादव क साधुवाद. उम्मीद थिक जे आमान परिवर्तन क काज शीघ्र पूरा सेहो क लेल जैत.
    मनोरंजन कुमार झा
    इन्द्रा विहार, मुख़र्जी नगर
    दिल्ली.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...