नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा-कुशेश्वरस्थान बड़ी लाईन

दरभंगा सं कुशेश्वरस्थान के बीच जल्दीए बड़ी लाईन बनत. रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव पिछला दिन कुशेश्वरस्थान में दरभंगा-कुशेश्वरस्थान बड़ी रेल लाईन के शिलान्यास कएलाह. रेल मंत्री कहलथिन्ह जे कुशेश्वरस्थान के एकटा एहन रेल टर्मिनल बनाबल जाएत जे देश में अपना तरहक होएत... देश में सर्वोत्तम होएत. श्री यादव ईहो कहलथिन्ह जे कुशेश्वरस्थान के एकटा पर्यटन स्थल के रूप में सेहो विकसित कएल जाएत. एहि अवसर पर रेल मंत्रीजी ईहो संकेत देलथिन्ह जे एहि बेरक रेल बजट में आम लोकक विशेष द्यान देल जाएत. एहि शिलान्यास सभा में ओ महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना के नेता राज ठाकरे के सेहो निंदा कएलथिन्ह. आ कहलथिन्ह जे राज ठाकरे देश के बांटय के काज कs रहल छथिन्ह. ई सभ देश के एकता अखंडता के लेल खतरा अछि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु