अगर अहां जागरण ग्रुप सं जुड़य चाहय छी तं बड़ नीक मौका अछि. जल्दी सं अपन बॉयोडाटा एकरा पठा दिऔ.
जागरण के रिपोर्टर आओर सब एडिटर्स लेल
पत्रकारिता मे डिग्री आ फेर डिप्लोमाधारी पत्रकार चाही जिनका कम सं कम 3-4 साल के अनुभव होए...नञि तं स्नातक के संग 7-8 साल के अनुभव जरूरी अछि.
अगर अहांके पास एतेक अनुभव अछि आ डिग्री/ डिप्लोमा अछि तं फेर अहां अप्लाई करि सकय छी.
एकरे संग मैंटीनेंस लेल सहायक प्रबंधक के सेहो जरूरत अछि. एहि लेल अहांके कोनो प्रिंटिंग प्रेस में 5 साल के अनुभव होबाक चाही. एहि लेल मैकेनिकल इंजीनियरिंग मे डिग्री/ डिप्लोमा सेहो मांगल गेल अछि.
जागरण अखबार के स्कैनिंग ऑपरेटर आ ग्राफिक डिजाइनर्स सेहो चाही. एहि लेल पांच सालक अनुभव जरूरी अछि.
अखबार के अपना नोएडा आओर दोसर प्रिंटिग यूनिट लेल प्रिंटिंग एक्जीक्युटिव आ यूनिट अटेंडेंट सेहो चाही जेहि लेल एक सं लsक 5 साल धरि अनुभव मांगल गेल अछि.
अगर अहां एहि ठाम काज करय चाहय छी तखन अपन बॉयोडाटा एहि ईमेल पर भेज दिऔ...
hr@nda.jagran.com
अगर डाक सं भेजय चाहय छी तं पता अछि-
दैनिक जागरण कार्यालय
डी-210, सेक्टर- 63, नोएडा, उत्तर प्रदेश
फोन- 0120- 3915800
लिफाफा आ फेर ईमेल में पोस्ट के जिक्र जरूर करि देब. बेसि जानकारी लेल एहि विज्ञापन के पढ़ि लिअ.
अहां सभ के हमर शुभकामना.
Plz give me a chance for write in your newspaper
जवाब देंहटाएं