नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आईएएनएस हिंदी के चाही उपसंपादक

पत्रकारिता मे करियर बनाबय लेल अहांक पास एकटा नीक मौका अछि. न्यूज एजेंसी आईएएनएस के हिंदी लेल उपसंपादक के जरूरत अछि.

अगर अहां पत्रकारिता के पढाई कएने छी आ देश-दुनिया के घटनाक्रम पर नजर राखय छी तं जरूर अप्लाई करु.

ओना खेल, वाणिज्य, विज्ञान-स्वास्थ्य-प्रौद्योगिकी आओर अंतर्राष्ट्रीय मामला मे
रुचि राखय वाला लोक के प्राथमिकता देल जाएत.

एहि ठाम जॉब करय लेल अहां के अंग्रेजी सं हिंदी मे नीक सं अनुवाद करय अएबाक चाही. ओना लोक से हिंदी सं अंग्रेजी मे ट्रांसलेशन करय मे दिक्कत होएत अछि. ई तं अंग्रेजी सं हिंदी मे ट्रांसलेशन के बात छै...भ जाएत.

एकरे संग अहां के हिंदी टाइपिंग स्पीड कम सं कम 50 शब्द प्रति मिनट जरूर होबाक चाही. अगर कम अछि तं अप्लाई क प्रैक्टिस शुरू क दिअ.

अप्लाई करय वक्त कवर लेटर में अपन रुचि के विषय जेना राजनीति, खेल, वाणिज्य, विज्ञान, स्वास्थ्य, मनोरंजन और अंतर्राष्ट्रीय मामला के जिक्र जरूर करब. एकरे संग अगर अहां कतहुं जॉब करय छी तं कतेक पाई मिलैत अछि आओर कतेक के उम्मीद राखय छी एकर जिक्र सेहो जरूर करब.

रिज्यूमे पसिन परला पर ओ अहां के लिखित टेस्ट लेल ईमेल करि बुलएताह.

अहां अपन बायोडाटा एहि ईमेल पर भेज दिअ- hindiservice@gmail.com

अप्लाई करय के लास्ट जेट अछि 27 जुलाई 2015

अहां सभ के हमर शुभकामना...

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु