नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

URGENT: डीडी न्यूज के चाही 23टा पत्रकार

दूरदर्शन न्यूज...डीडी न्यूज मे नौकरी चाहय वाला पत्रकार के लेल नीक मौका अछि. डीडी न्यूज मे नौकरी लेल एहन मौका बेर- बेर नञि मिलत. अगर अहां पत्रकारिता के क्षेत्र मे अपन करियर बनाबय चाहय छी तं जल्दी सं डीडी न्यूज के एहि वेकैंसी लेल फॉर्म
भरि दिअ.

डीडी न्यूज के वेबसाइट... वेब डिवीजन के लेल 23 टा कंटेंट एक्जक्यूटिव चाही. ई वेकैंसी ओना एक साल के कंट्रैक्ट पर अछि मुदा नीक काज करब तं बढ़ा देल जाएत. एहि दौरान अहां के 20 हजार टका मासिक वेतन देल जाएत.

मीडिया के आईकाल्हि जे हाल अछि ओहि मे ई नौकरी नीक ऑप्शन अछि. अगर अहां पत्रकारिता के कोर्स या पत्रकारिता मे पीजी डिप्लोमा छी आ अहांके पास कम सं कम एक सालक पत्रकारिता के अनुभव अछि तं अहां लेल ई बड़ नीक अवसर अछि.

फॉर्म भरि क भेजय के लास्ट डेट अछि 30 जून. तं देर नहि करु जल्दी सं फॉर्म भरि एहि पता पर पठा दिऔ-


The Assistant Director (HR)
Doordarshan News,
Room No- 520, Tower-B, Fifth Floor,
Doordarshan Bhawan,
Copernicus Marg,
News Delhi-110001

फॉर्म भरय आ बेसि जानकारी लेल एहि लिंक के क्लिक करु-
DD NEWS



 या फेर एहि लिंक के क्लिक करु- डीडी वेकैंसी


अहां सभ के हमर शुभकामना...

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु