Skip to main content

Posts

Showing posts from January, 2014

डॉ मोहन मिश्र के पद्मश्री सम्मान

मिथिलांचल के लेल एकटा नीक खबर अछि. एहि बेर गणतंत्र दिवस पर डॉ मोहन मिश्र जीके के पद्मश्री सम्मान देबय के घोषणा कएल गेल अछि. चिकित्सा क्षेत्र में अमूल्य योगदान के लेल हिनका ई सम्मान मिलतन्हि. डॉ साहेब अखन दरभंगा के बंगालीटोला मे रहय छथिन्ह. मुदा मोहन जीक जन्म 1937 मे मधुबनी जिलाक राजनगर प्रखंड के कोइलख गाम मे भेलन्हि. मोहन जी अनिरुद्ध

अखन चुनाव भेल त गेलाह नीतीश

बिहार मे बीजेपी सं नाता तोड़नाय मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक लेल भारी पड़ि सकैत अछि. दोबारा मुख्यमंत्री बनला पर बिहार मे नीतीश जी अपना के विकास पुरुष मानि अहंकार सं भरय लगलाह. मुदा एहि टाइम जे चुनावी सर्वे सभ आबि रहल अछि ओहि सं लगि रहल अछि जे अगर अखन चुनाव भेल तं नीतीश जीक पार्टी के सफाया भ सकैत अछि. नीतीश जीक नेतृत्व वाला बीजेपी-जेडीयू सरकार जखन छल तखन

बिहार विकास मॉडल पर ब्रिटेन मे चर्चा

बिहार के विकास मॉडल पर ब्रिटेन के लंदन स्कूल ऑफ इकोनामिक्स मे चर्चा भेल. एहि चर्चा मे बिहार के विशेष राज्य के दर्जा देबय के मांग सेहो उठल. एहिठाम ‘एक नव बिहार: शासन आओर विकास के फेर सं जागल अलख’ शीर्षक सं एकटा निबंध संग्रह जारी कएल गेल. एकर संपादन राज्यसभा एमपी एनके सिंह आओर लंदन स्कूल ऑफ इकोनामिक्स मे इंडिया ऑब्जर्वेटरी के निदेशक निकोलस स्टर्न कएने छथिन्ह. एहि पर चर्चा मे कहल गेल कि बिहार सरकार विकास

एना मे केना बनत मिथिला राज्‍य ?

अलग मिथिला राज्य बनाबए के लेल एक बेर फेर आवाज उठि रहल अछि. मिथिला राज्य के लsक रविदिन 19 तारीख के दिल्ली कंस्टीच्यूशनल क्लब मे एकटा संगोष्ठी भेल. एहि संगोष्टी मे मिथिला राज्य निर्माण सेना के एकटा वेबसाइट www.mrns.in के लोकार्पण सेहो भेल. एहि मे बीजेपी के मुख्यपत्र के सहायक संपादक संदीप सिन्हा जी जी-जान सं जुटल छथिन्ह. संजीव जी मिथिला राज्य के लेल संघर्षरत सभ गुट के एकठाम लाबय मे लागल छथिन्ह. हुनका कामयाबी सेहो मिल रहल छनि. वेबसाइट के लोकार्पण से पहिने संजीव जी मिथिला राज्य के मांग पर किछ लिख क देबय लेल कहने छलाह. अगर अलग मिथिला राज्य बनैत अछि तं बड़ खुशी होएत...मुदा सवाल उठैत अछि कि एहिना बनत मिथिला राज्य? हम हनुका वेबसाइट के लेल जे अपन विचार

बिहार मे दू टा एमपी बीजेपी मे शामिल

बिहार मे लोकसभा चुनाव सं पहिने बीजेपी के लेल नीक खबर अछि. बांका सं लोकसभा सदस्य पुतुल कुमारी आओर सिवान सं सांसद ओम प्रकाश यादव सोम दिन बीजेपी मे शामिल भ गेलाह. दुनु निर्दलीय सांसद छथिन्ह. पुतुल कुमारी अपन पति आओर सांसद दिग्विजय सिंह जीक मृत्यु के बाद 2010 मे चुनाव जीत एमपी बनलीह. दुनु गोटे सोमदिन दिल्ली मे बीजेपी के राष्ट्रीय अध्यक्ष राजनाथ सिंह

मिथिला राज्य के लेल दिल्ली में संगोष्ठी

अलग मिथिला राज्य के लेल रवि दिन दिल्ली के कंस्टीट्यूशन क्लब में ‘मिथिला राज्य निर्माण आंदोलन: दशा आ दिशा’ विषयक संगोष्ठी के आयोजन कएल गेल. एहि संगोष्ठी के आयोजन मिथिला राज्य निर्माण सेना (मिरानिसे) के तरफ सं कएल गेल. मिथिला राज्य निर्माण सेना के एहि संगोष्ठी में बीजेपी के