नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नहि रहलाह कुमुद रंजन झा जी

कांग्रेस पार्टीक वरिष्ठ नेता आओर पूर्व मंत्री कुमुद रंजन झा जी नहि रहलाह. शुक्रदिन हिनकर निधन दिल्ली के अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्थान (एम्स) मे भ गेलन्हि.

64 साल के कुमुद जीक दिल के दौरा पड़य सं निधन भेलन्हि. हिनकर फेफड़ा मे इंफेक्शन भ गेल छलन्हि.

शुक्रदिन बेचैनी महसूस भेलाह पर हिनका एम्स मे भर्ती कराएल गेलन्हि. जतए हिनकर निधन भ गेलन्हि.

कहल जा रहल अछि जे कुमुद जी दिल्ली के बिहार निवास आएल छलखिन्ह ओतय हुनकर
तबियत बिगड़ि गेलन्हि.

कुमुद जी मधुबनी जिला के सिंगियोन गांव के रहल वाला छलखिन्ह.

मधुबनी निवासी कुमुद जी पंडौल विधानसभा क्षेत्र सं एमएलए रहि चुकल छलखिन्ह. कुमुद जी दू बेर 1980 आओर 1985 मे पंडौल विधान सभा क्षेत्र सं कांग्रेस के एमएलए चुनल गेल छलखिन्ह.

कुमुदजी जगन्नाथ मिश्र आओर विंदेश्वरी दूबे सरकार मे मंत्री सेहो छलखिन्ह.

कुमुद जी बिहार मे कांग्रेस पार्टी के छात्र संगठन एनएसयूआई के संस्थापक अध्यक्ष छलखिन्ह.

कुमुद जी के संजय गांधी के करीबी मानल जाए छलन्हि.

पंडौल मे जे औद्योगिक क्षेत्र बनल छल ओकरा बनाबए के श्रेय हिनके जाए छनि.

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी हिनकर निधन पर शोक जतौलखिन्ह. नीतीश जी कहलखिन्ह जे कुमुद जी अंतिम संस्कार राजकीय सम्मान के साथ कएल जाएत. हिनकर अंतिम संस्कार शनि दिन दिल्ली मे होएत.


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु