नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

गुटखा...पान मसाला पर लागल प्रतिबंध

बिहार के लेल एकटा नीक खबर अछि. विश्व तम्बाकू निषेध दिवस सं एक दिन पहिने एहिठाम तम्बाकू-निकोटिन वाला गुटखा आओर पान मसाला पर एक साल लेल प्रतिबंध लगा देल गेल अछि.

सरकार के तरफ सं एहि बारे में सभ जिला के अफसर... पुलिस अधिकारी के सूचना भेज देल गेल अछि.

बिहारक खाद्य सुरक्षा आयुक्तक अनुसार राज्य मे गुटखा आओर
पान मसाला बनाबय... बेचय पर एक साल लेल रोक लगा देल गेल अछि.

आब राज्य मे जे गुटखा आओर पान मसाला बनाबैत..बेचैत आ एकर कारोबार करैत मिलताह हुनका पर तीन लाख टका के जुर्माना लगाओल जा सकैत अछि आओर एक साल के लेल जेल भेजल जा सकैत अछि.

सरकार के सिर्फ कायदा कानून बनाsक नहि छोड़ि देबाक चाही एहि पर सख्ती सं अमल होबाक चाही. नशा के अमल पर खराब होएत अछि. दस तरहक बीमारी लोक के भ जाएत अछि. पहिने नशा पर खर्च फेर दवाई पर खर्च. एहि पर रोक एकदम जरूरी अछि.

सरकार टैक्स के किछ पाई के चलते शराब...तम्बाकू...पान मसाला पर रोक नहि लगाबैत अछि. टैक्स सं बेसि पाई एकर खिलाफ जागरूकता अभियान... चिकित्सा सुविधा पर खर्च करि दैत अछि मुदा रोक नहि लगाबैत अछि.

एहि हिसाब से बिहार सरकार के ई कदम प्रशंसा योग्य अछि. लोक के एकर स्वागत करबाक चाही.
एहने रोक शराब बेचय पर सेहो होबाक चाही. एहि के कारण कतेक परिवार...घर बरबाद भ गेल.

पाई के संग-संग सेहत के नुकसान सेहो होएत अछि. एहि सभ पर रोक होबाके चाही.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु