Skip to main content

सरस्वती पूजा मे बॉलीवुड संगीत

शनिदिन 28 तारीख के सरस्वती पूजा धूमधाम से मनाएल गेल. पूर्वी दिल्ली मे वेस्ट विनोद नगर मे सेहो विद्यापति मैथिल युवा मंचक ओर सं सरस्वती पूजा भेल.












ई देखि मन खुश भ गेल जे अपन मैथिल...बिहारी भाई लोकनि खूब जोर-शोर से सरस्वती पूजा मना रहल छथिन्ह.

पंडाल मे भीड़ सेहो काफी छल. आसपासक इलाका के सभ लोकनि अपन-अपन धियापुता के संग पूजा देखय आ मां शारदे के आशीर्वाद लेबय लेल आएल छलाह. बच्चा सभ मे सेहो खूब उत्साह देखल गेल.

विद्यापति मैथिल युवा मंच के तरफ सं कई तरहक कार्यक्रमक आयोजन सेहो कएल गेल छल. स्कूली बच्चा सभ के लेल गीत-संगीत...पेंटिंग प्रतियोगिता के आयोजन कएल गेल छल.

प्रतियोगी बच्चा सभ के जोश बढ़ाबय लेल हुनकर सभक गार्जियन सेहो मौजूद छलखिन्ह. बच्चा सभ के पुरस्कार सेहो देल गेल. किछ विजेता के बीरबल झा जीक तरफ से ग्रामरक किताब सेहो देल गेलन्हि. बीरबल जी अंग्रेजी सीखय वाला कइटा इंस्टीट्यूट चलाबय छथिन्ह.

मुदा पूजा मे एकटा चीज बड़ अखरल.

पूजाक आयोजन विद्यापति मैथिल युवा मंच के तरफ सं छल. एकर कार्यकर्ता मे बेसि लोक मैथिल छलाह. मुदा जखन हम पूजा स्थल पर पहुंचलौं तं मुंबइया फिल्मक गाना पर बच्चा सभ के डांस करैत देखि चौंकि गेलहुं.


आओर ई सिर्फ एकटा गाना तक नहि रहल. कइटा गाना हिंदी मे चलल आओर बच्चा सभ डांस प्रतियोगिता मे अपन हुनर देखाबैत रहला.

मैथिली...मिथिला सं जुड़ल कार्यक्रम मे मैथिलीक गीत-संगीत पर बच्चा सभ डांस करि अपन प्रतिभा देखएताह तं लोक के बेसि खुशी होएतन्हि. एहि सं ओ अपन संस्कृति...मिथिला-मैथिली सं बेसि जुड़ाब महसूस करताह.

हिंदी...बॉलीवुड गीत-संगीतक आनंद तं रेडियो...टीवी...सिनेमा के रोज मिल जाएत अछि. मुदा मैथिलीक गीत-संगीतक आनंद मिथिलाक-मैथिलीक कार्यक्रमे टा मिलैत अछि आओर ओहि मे अगर एहन होएत तं मैथिली सं जुड़ाव कोना बनत. एतबे नहि मंच संभालय वाला मनीष जी सेहो बीच-बीच मे हिंदी मे बोलय लागय छलाह.

आयोजक के आगां से ई ध्यान रखबाक चाही जे कार्यक्रम के सभ किछ मिथिली-मैथिली सं जुड़ल होए.
पूजा मे एकटा चीज आओर देखय लेल मिलल  दोपहर चारि सं राति के पौने आठ बजे तक अव्यवस्था के आलम छाएल रहल. चारुकात बदइंतजामी छाएल छल. कार्यक्रम देखय-सुनय वाला पाछां आओर कार्यकर्ता आगां ठाड़.

आब जखन अहां खुद आगां ठाड़ भ जाएब तं पाछां वाला लोक सभ स्वाभाविक छै जे ठाड़ भ देखताह. सभ कार्यकर्ता स्टेज के पास ठाड़.

आओर प्राइज ... पुरस्कार देबय के समय तं मनीष जी बीरबल जीक संग एना ठाड़ छलाह जेना दर्शक...लोक सभ सं कोनो लेना-देना नहि छनि.

ओ आम दर्शक के तरफ पीठ करि समारोह के अतिथि के बैसय लेल बनल जगह के तरफ घुमल छलाह. एहि से कुर्सी पर बैसल लोक सभ के आधा देखा रहल छलन्हि आओर आधा नहि.

फोटो खींचय वाला...वीडियो रिकॉर्ड करय वाला सभ के सेहो हाल. लोक सभ कुर्सी पर बैसल आ ओ सभ आगां सं ठाड़ भ जगह छेंकने.

खैर एकर बाद जे सांस्कृतिक कार्यक्रम शुरू भेल तं लोक सभ ओहि मे रमि गेलखिन्ह आओर कार्यकर्ता सभ हरकत मे अएलाह. सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो जोरदार रहल. लोक सभ खूब आनंद उठएलाह.

सरस्वती पूजाक सभ सं नीक बात रहल मैथिली मे मां शारदे के आरती. आरती भव्य रहल.  लोक सभ एक स्वर सं मैथिली मे आरती कएलाह.

अपन गाम-घरक लोक सभ के मिलय-जुलय के लेल एहन कार्यक्रम बड़का काज करैत अछि. दिल्ली मे सरस्वती पूजा ओना नहि के बराबर होएत अछि जे होएत अछि ओहि मे बेसि बिहारी लोक सभ करय छथिन्ह.

आयोजन के देखि करि इहो लागल जे आयोजक सभ पूजा लेल काफी मेहनत करने छलाह. काफी लोक के जोड़ने छलाह. बड़का स्तर पर भेल छल ई आयोजन. बीच-बीच मे एहन कार्यक्रम होएत रहबाक चाही.



Comments

  1. Hitendra ji namaskaar apnek e lekh kaphi neek lagal. Aaha delhi ker gup ka rahal chi muda jakhan darbhanga me bihar sarkaar dwara manaaol gel Mithila Mahotsav me muni badnaam hui daarling tere liye, aar kamaria kare lapa lap sanak geet bha sakait achi te e te maatra saraswati puja chal. mithlakgaamghar@blogspot.com

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...