Skip to main content

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

गर्मी छुट्टी शुरू होए वाला अछि. बच्चा सभ आम खाय लेल आ दादा-दादी सं मिलय लेल गाम जाए चाहय छथिन्ह. लगन सेहो शुरू भ रहल अछि. गाम मे कइटा विवाह अछि. बारात जाए आओर भोज खाए के नीक मौका अछि.

मुदा जखन टिकट लेल गेलहुं तं कोनो ट्रेन मे टिकट नहि मिलल. आब समस्या ई जे गाम केना जाएल जाए. आब आ तं दलाल सं टिकट लेल जाए आ फेर तत्काल के इंतजार कएल जाए. तत्काल मे कोनो ठिकान नहि. खिड़की खुलल नहि कि
सीट फुल.

दलाल सं टिकट लेबय के मन नहि मानैत अछि. बस सं कइ ठाम होएत जनाय मे भारी परेशानी अछि. एकसरे रहला पर लटकैत-फटकैत केहुना लोक जा सकैत अछि मुदा परिवार के संग जनाए परेशानी भरल होएत अछि.

लगैत अछि एहि बेरक छुट्टी मे फेर गाम नहि जा पाएब आओर बारात सेहो नहि जा पाएब. गामक पांत मे बैसि क भोज खाए वाला आनंद लेलाह सेहो बड़ दिन भ गेल. एकर फेर सं आनंद उठाबय मे लगैत अछि समय लागत.

मन मारिsक बैसल छी. सोचि रहल छी जे कतेक नीक रहैत जे दरभंगा लेल सेहो हवाई सेवा रहैत. दिल्ली मे चढ़तौं आओर दू-ढ़ाई घंटा बाद दरभंगा. ट्रेन जकां मारामारी सेहो नहि रहैत. आराम सं दरभंगा पहुंचि जएतौं.

ट्रेन मे एसी मे जतेक टाका लगैत अछि ओहि सं भने प्लेन मे दूना टिकट लगैत अछि मुदा समय के कतेक बचत होएत अछि. चौबीस सं तीस घंटा के बदला दू सं तीन घंटा मे दरभंगा पहुंचि जाउ.

अखन दरभंगा से दिल्ली... मुम्बई... कोलकाता... पुणे... बंगलुरु आओर दोसर ठाम के लेल ट्रेन सेवा अछि. सभ मे एसी डिब्बा सेहो भरल रहैत अछि. एसी मे सेहो कंफर्म टिकट जल्दी नहि भेटैत अछि.

यानी लोक सुविधा रहला पर एसी मे आ-जा रहय छथिन्ह. दरभंगा आओर मिथिला के बड़ लोक दिल्ली आओर दोसर ठाम जाए लेल पटना आबि प्लेन पकड़य छथिन्ह. मिथिलाक बड़ लोक हवाई सुविधा के लाभ उठाबय छथिन्ह.

अगर इहे सुविधा दरभंगा सं शुरू भ जाए तं लोक पटना जा हवाई जहाज सं किएक उड़ताह...सीधा दरभंगा सं कोलकाता...दिल्ली... मु्म्बई जएताह. बस लोक के सुविधा उपलब्ध होबाक चाही. लोक उपयोग करबे करथिन्ह.

दरभंगा...मधुबनी... सीतामढ़ी...मुजफ्फरपुर...समस्तीपुर...सहरसा आओर नेपालक लोक सभ सेहो एहि हवाई सुविधा के फायदा उठा सकताह. फेर शुरू भ गेलाह के बाद लोक सुविधा के आदी भेलाह पर बेसि आबय जाए लागय छथिन्ह.

दरभंगा सं हवाई सुविधा शुरू करय मे बेसि दिक्कत सेहो नहि अछि. नीक हवाई अड्डा मौजूद अछि. शहर सं पास अछि. दरभंगा मिथिला के केंद्र मे अछि. रेल-बस सं नीक सं जुड़ल अछि. सभ तरहक सुविधा सेहो अछि.

ओना पटना के लेल बीच मे हवाई सेवा शुरू भेल छल मुदा जहाज के हवाई पट्टी सं फिसलि जाए के कारण फेर शुरू नहि भ पाएल. ओना दरभंगा सं हवाई सेवा शुरू भेलाह पर लोक के नीक रिस्पांस मिलत.

दिल्ली मे बिहारक...मिथिलाक कइटा बड़का अधिकारी... डायरेक्टर... सेक्रेट्री... व्यापारी सभ सं कई बेर गप भेल ओ सभ सेहो एहि बात पर दुख जताबैत छथिन्ह जे दरभंगा लेल हवाई सेवा नहि अछि.

दरभंगा जाए लेल अखन पहिने हवाई जहाज सं पटना जाए पड़ैत अछि...फेर ओहि ठाम सं कार...टैक्सी करि दरभंगा...मधुबनी जाए पड़ैत अछि. फेर आई-काल्हि पटना मे गांधी सेतु पार करनाए एकटा बड़का संकट अछि.

आई-काल्हि पटना मे एहि पुल पर भारी जाम लगैत अछि जे तं कई-कई बेर घंटों रहैत अछि. हमर एकटा जानकार के दरभंगा सं पटना आबि...हवाई जहाज पकड़ि दिल्ली आ फेर एहि ठाम सं ऑस्ट्रेलिया जएबाक छलन्हि मुदा ओ पुल पर जाम मे चारि घंटा फंसल रहलाह.

जेहि कारण हुनकर फ्लाइट छुटि गेलन्हि आ ओ दिल्ली नहि आबि सकलाह. हुनकर पूरा के पूरा शिड्यूल गड़बड़ा गेलन्हि. अगर दरभंगा सं हवाई सेवा रहैत तं एहन हाल नहि भेल रहैत.

एहि के लेल मिथिला के ...इलाका के लोक सभ के सरकार के मांग करबाक चाही. उत्तर बिहार के एमपी...एमएलए के विमानन मंत्री पर हवाई सेवा शुरू करय लेल दबाव बनयबाक चाही. एहि सं लोक के तं सुविधा सेहो मिलतन्हि... इलाका के विकास सेहो होएत.

नवका-नवका लोक अएताह... पर्यटन के बढ़ावा मिलत. होटल खुलत... निवेश होएत... लोक के जीवन स्तर मे सुधार सेहो होएत. तं आब अहां सभ सेहो हवाई सुविधा लेल सोचु. बड़का सोचब तं बड़का होएत.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

Comments

  1. हितेंद्र जी स्प्रिट एयरवेज पिछला छह मास स केंद्र सरकार स पटना हवाई अडडा पर दू घंटा जहाज रखबा लेल जगह मांगी रहल अछि, मुदा इ फाइल प्रफुल पटेल उलटबाक कष्‍ट नहि केलथि, दरभंगा जिलाक एकटा विधायक स हमर गप भेल त ओ साफ कहला जे हवाई जहाज स की होएत, ओहि स बेसी जरूरी एहि ठाम आन चीज अछि, दरअसल बिहार मे कोनो काज एखन तखने होइत अछि जखन नीतीश कुमार ओकरा अपन इज्‍जत बना लैत छथि, एहि काज लेल हवाई सेवा कंपनी तैयार अछि, सवारी तैयार अछि, आधारभूत संरचना तैयार अछि, भारतीय वायु सेना अपन एयरबेस देबा लेल तैयार अछि, तैयार नहि अछि त केवल नागरिक उडडयन मंत्रालय, जे यूपीए सरकार क भीतर बिहार विरोधी काज मे सतत लागल अछि

    ReplyDelete
  2. बहुत नीक प्रस्ताव अछि, परन्तु विमान कंपनी सब के लोकक सुबिधा आ इलाका के विकास स बेसी बैलेंस सीट आ वित्तीय साध्यता स मतलब रहे छैन्ह. इ देखबाक चाही जे कहिया इ सुबिधा अपन क्षेत्र में शुरू होयत.

    ReplyDelete
  3. Bad Nik Prastaw aaich aai par apan sarkar ka sochba ka chachi lekin ke karbay 15 saal tak je apan bihar ka noch - noch ke khel galay han oo sab ate jaldi thik bhe jete. akhan ta nitish ji ki dosre karyakal suro bhalay han ago - ago dakhio ki sab ho chey. lekin agar aay bat ka kono madhyam se Nitish ji lang pahochabal jay ta iho kaj jaldi se jaldi bha sakai chai.

    ReplyDelete
  4. shri hitendra jee ahan ken lekh hum barabar padhet chi aur ahan samsamayik khabar dait chi. thai ken lel sadhuvad. darashal darbhanga san any jagah ken lel hawai jahaj ken suvidha jarur howak chahi. jahi ken lel hum sab chautarpha batchit suru karu aur tahi san e kam aasan bh jayat. darshal yahi ken lel sthaniye partinidhi ken sath sabh tarhak log apn e mang karu. yahi ken lel delhi tak sujhw bhejiyek padat takhan bat banye main samay kam lagat.
    dhyanwad.

    Ramakant Chaudhary
    mithila-doot.blogspot.com

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...