नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार मे बिजली संकट

बिहार आई-काल्हि बिजली केर भयंकर संकट सं दू-चारि भ रहल अछि. एक तं गर्मी दोसर बिजली नहि. गाम-घर मे माटि केर घर मे रहय वाला लोक सभ के तं ओतेक परेशानी नहि छनि. गाम-घर मे गाछ-वृक्ष बेसि होए सं लोक के प्राकृतिक हवा मिलय छनि.

मुदा शहर के पक्का मकान...बड़का-बड़का मकान मे रहय वाला लोक सभ के हाल खराब छनि. नहि पंखा चलय छनि नहि फ्रिज. प्राकृतिक हवा के तं कोनो ठोरे नहि. घर मे हाथ
वाला पंखा झेलैत-झेलैत सरकार के गरिआबैत रहय छथिन्ह.

ई हाल पूरा राज्य के अछि. छोटके शहर नहि राजधानी पटना के लोक सेहो गर्मी सं उनसा रहल छथिन्ह. जखन कि अखन मई-जून वाला गर्मी अएबो नहि करल अछि. बच्चा सभ से कछबछाएत रहय छथिन्ह.

सभ दिन सुनय मे आबैत अछि जे आई फलां ठाम धरना-प्रदर्शन भेल...तं आई फलां ठाम. कई ठाम हिंसक प्रदर्शन सेहो भ रहल अछि. नीतीश सरकार के कहनाय छनि जे ई केन्द्र सरकार के कारण अछि.

बिजली विभाग के मानल जाए तं गर्मी मे राज्य के ढ़ाई सं तीन हजार मेगावाट बिजली के जरूरत होएत अछि मुदा केंद्र सं सिर्फ आठ सं नौ सय मेगावाट बिजली मिल रहल अछि. एहि मे सं करीब साढ़े तीस सय मेगावाट बिजली इमरजेंसी सेवा के लेल रहैत अछि.

राज्य सरकार के हाल त्रिशंकु जकां भ गेल अछि. केंद्र आओर आम लोक के बीच सरकार के किछ करैत नहि बनि रहल अछि. राज्य के बिजली घर एक तरहे ठप पड़ल अछि.

कहलगांव...कांटी ठप अछि. बरौनी सं केहुना 50 मेगावाट बिजली आबि रहल अछि. कतहुं कोयला...पानि के समस्या तं कतहुं लोकल फॉल्ट....तकनीकी खराबी. लs दsक जनता के राहत नहि देखा रहल अछि.

सरकार दोसर ठाम सं बिजली खरीदय के कोशिश मे अछि मुदा सरकारी काज होएते-होएत न होएत. ताबैत धरि गर्मी मे पसीना बहाबैत रहुं. मुदा अहां सभ के सरकार पर दबाव बनाबय पड़त नवका कारखाना लगाबय लेल.

सरकार के सेहो एहन उपाय करय के जरूरत अछि जे आगां फेर एहि तरहक बिजली संकट सं लोक के पाला नहि पड़य. बिहार के बिजली क्षेत्र मे आत्मनिर्भर बनय पड़त. बिजली नहि रहला पर उद्योग-धंधा पर सेहो असर पड़ैत अछि.

लोक के रोजगार पर...कमाई पर भारी असर पड़ैत अछि. एहि लेक अगर बिहार के आगां देखय चाहय़ छी तं बिजली के एतेक उत्पादन करय पड़त जतय सं राज्य के खपत पूरा भ सकय आओर ककरो आगां हाथ नहि पसारय पड़य.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु