नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार उत्सवक जोरदार तैयारी

बिहारक लोक सभ के ई पूरा हफ्ता मस्ती के रहत. होली के बादहुं लोक सभ पर उत्सवक रंग चढ़ल रहत. शनि...रवि 19-20 मार्च के होली के धमगज्जर... ओकर बाद सोम दिन पुआ-मलपुआ के बसिऔर... फेर मंगल दिन 22 तारीख के बिहार उत्सव के धूम.

मंगल दिन बिहार के बनला के 99 साल पूरा भ जाएत आओर राज्य सौंवा साल मे चलि जाएत. एहि अवसर पर राज्य मे तीन दिन तं मुख्य समारोह मनाएले जाएत...
साल भर कई तरहक कार्यक्रम सेहो चलैत रहत.

बिहार पहिने अंग्रेजक जमाना मे बंगाल प्रेजिडेंसी के अंदर आबैत छल. 22 मार्च 1912 के बिहार के बंगाल प्रेजिडेंसी सं अलग करि देल गेल छल. बिहार बनय के एहि दिन बिहार दिवस मनाएल जाएत अछि.

बिहारक गौरव सं लोक के परिचित कराबय लेल मनाएल जा रहल ई उत्सव राज्य के अलावा देश-दुनिया मे सेहो मनाएल जाएत. देश -विदेश मे रहय वाला बिहारी आओर बिहार फाउंडेशन के लोक सभठाम बिहार उत्सव मनएताह.

एहि बेर सभ जिला के बिहार उत्सव मनाबए लेल सरकार के तरफ सं तीन-तीन लाख रुपया देल गेल अछि. एहि समारोह के दौरान कई तरहक कार्यक्रम सेहो कएल जाएत...लोककला...संस्कृति के प्रदर्शन कएल जाएत.

गाम-गाम...जिला-जिला मे कई तरहक प्रतियोगिता सेहो करायल जा रहल अछि. नाटक...कविता...कहानी सं लोक के बिहारी गौरव सं दू-चारि कराएल जा रहल अछि. एहि बेर पूरा राज्य मे 99 टा दीप सेहो जलाएल जाएत.

बिहार उत्सव के मुख्य कार्यक्रम राजधानी पटना के गांधी मैदान मे होएत. एहि के लेल काफी तैयारी कएल गेल अछि. एकर तैयारी कहि सकय छी एक तरह सं साल भर पहिने सं शुरू भ गेल छल.

गीतनाद के कार्यक्रम सेहो होएत. मैथिली... भोजपुरी...मगही के अलावा हिंदी के सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो राखल गेल अछि. मनोरंजन के लेल तीन दिन तक एकदम टंच व्यवस्था अछि.

पटना के एस.के. मेमोरियल हॉल आओर दोसर ऑ़डिटोरियम... रंगशाला मे सेहो कार्यक्रम भ रहल अछि. अपन मनपसंद बिहारी कलाकार सभ के अहां जमि कs मजा लs सकय छी.

गांधी मैदान मे बिहारी खान-पान के सेहो स्वाद लs सकय छी. जतेक बिहार व्यंजन अछि सभ मिल जाएत एहि तीन दिन मे खाय-पीबय लेल. होली के खुमार एहि बेर जल्दी नहि उतरत.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु