नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

होली स्पेशल ट्रेन

होली आओर गर्मी छु्ट्टी के लेल टिकटक मारामारी शुरू भ गेल अछि. लोक सभ के टिकट लेबय लेल काफी परेशानी के सामना करय पड़ि रहल छनि. लोकक भीड़ के देखैत पटना आओर दरभंगा लेल स्पेशल ट्रेनक व्यवस्था कएल गेल अछि. रेलवे अखन होली पर दिल्ली सं स्पेशल ट्रेल चलाबय के फैसला करलक अछि. गर्मी छुट्टी के लेल ट्रेन
एलान बाद मे होएत.

दिल्ली सं दरभंगा के बीच चलय वाला ट्रेनक नंबर अछि 04027 आओर 04028. दिल्ली सं ई स्पेशल ट्रेन 12, 15 आओर 18 मार्च के सांझ 1925 बजे खुलत. रास्ता मे ई नई दिल्ली, गाजियाबाद, मुरादाबाद, बरेली, शाहाजहांपुर, सीतापुर कैंट, गोण्डा, बस्ती, गोरखपुर, देवरिया सदर, सीवान, छपरा, सोनपुर, हाजीपुर, मुजफ्फरपुर आओर समस्तीपुर होएत राति के 2115 बजे दरभंगा पहुंचत.

जखन कि ई ट्रेन दरभंगा सं 13, 16 आओर 21 मार्च के राति मे 2315 बजे खुलि कs अगिला दिन राति के 2350 बजे दिल्ली पहुंचत. एहि ट्रेन मे सेकेंड आओर थर्ड एसी बॉगी नहि रहत. स्लीपर सं जाए वाला यात्री के लेल ई नीक विकल्प रहत. एहि स्पेशल ट्रेन मे मेल एक्सप्रेस वाला किराया लागत. स्टेशन पर एहि बारे मे जानकारी लेनाय नहि भूलब.

दरभंगा जकां पटना लेल सेहो होली स्पेशल ट्रेन शुरू भ रहल अछि.. पटना आओर दिल्ली के सराय रोहिल्ला स्टेशन के बीच चलय वाला ट्रेन नंबर अछि 04001 आओर 04002. ई ट्रेन दिल्ली के सराय रोहिल्ला स्टेशन सं 12,15 आओर 18 मार्च के सांझ 1720 मे खुलत आओर पटना 1310 बजे पहुंचत. जखन कि पटना सं 13, 16 आओर 21 मार्च के 1410 बजे खुलि अगिला दिन 12 बजे सराय रोहिल्ला स्टेशन पहुंचत
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु