नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार मे सीवेज प्लांट पर खर्च होएत 3000 करोड़ रुपया

बिहार मे पानि के साफ राखय लेल...नदी मे गिरायल जा रहल गंदा पानि...कचरा के साफ-सुथरा करय लेल 19 शहर मे सीवेज ट्रीटमेंट प्लांट लगायल जाएत. एहि पर करीब 3 हजार करोड़ रुपया खर्च होएत.

ई सीवेज ट्रीटमेंट प्लांट 5 सं 6 वर्ष मे बनि क तैयार होएत. एहि मे सभ सं पैघ प्लांट पटना मे लागत. सिर्फ पटना वाला प्लांट पर खर्च आएत
1500 करोड़ रुपया. एहि बात के जानकारी पर्यावरण मंत्री जयराम रमेश देलखिन्ह.

एहि सं गंगा के प्रदूषणमुक्त राखय मे मदद मिलत. जयराम रमेशजी एहि के लेल विश्वबैंक सं मदद के सेहो मांग करलखिन्ह. ओ पटना मे विश्व बैंक के अध्यक्ष राबर्ट जी जोलिक के संग फ्लोटिंग रेस्तरां मे गंगा के सैर करला के बाद ई कहलखिन्ह.

ओ इहो कहलखिन्ह जे चारि शहर मे गंगा नदी के प्रदूषणमुक्त करय लेल पहिनहि 450 करोड़ रुपया देल जा चुकल अछि. रमेश जीक कहनाय छलन्हि जे केंद्र के पास पटना मे गंगा कात के विकास सं जुड़ल सेहो प्रस्ताव अछि.

बिहार के मुख्यमंत्री पटना मे गंगा कातके विकास के प्रति विशेष रुचि देखा रहल छथिन्ह. एहि पर करीब 150करोड़ रुपया खर्च होएत. एहि के संग डॉल्फिन के बचाबय पर सेहो विचार भेल.

भारत सरकार उत्तराखंड... उत्तर प्रदेश... बिहार...बंगाल मे गंगा के प्रदूषण मुक्त करय लेल जोर-शोर सं लागल अछि. ई National Ganga River Basin Authority (NGRBA) के तहत भ रहल अछि.

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु