नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

पटना मे चलत मोनो रेल

बिहारक राजधानी पटना मे दिल्ली के मेट्रो जकां मोनो रेल शुरू होए वाला अछि. पटना के लोक के लेल ई नीक खबर अछि. पटना मे यातायात के जे हाल अछि ओकरा देखैत मेट्रो आ मोनो रेल चलानाय बेहद जरूरी अछि. सरकार त मेट्रो रेल पर विचार करैत छल
 मुदा मेट्रो रेल मे खर्च किछ बेसि लागैत अछि आओर बनाबय मे टाइम सेहो लागैत अछि.

मेट्रो रेल मे मोनो रेल के तुलना मे जगह कनि बेसि छेकैत अछि. ओहि हिसाब सं मोनो रेल के नीक कहक चाही. ई मेट्रो सं सस्ता सेहो अछि. मुम्बई मे सेहो मोनो रेल बनि रहल अछि. अगर खर्च के देखल जाए त मेट्रो के एक किलोमीटर लिंक तैयार करय पर 225 करोड़ रुपया के खर्च आबैत अछि जखन कि मोनो रेल मे मात्र 31 करोड़ रुपया केर.

लार्सन एंड टूर्बो कंपनी... एल एंड टी एकरा बनाबय लेल एकटा प्रपोजल सरकार के पास रखलक अछि. सरकार प्रपोजल सं खुश होएत कंपनी के डीपीआर बनाबए लेल करहक अछि. अगर सभ किछ नीक रहल... काज समय पर शुरू भ गेल त दू-ढाई साल के अंदर मोनो रेल चालू भ जाएत. लोक के एहि सं बड़ फायदा मिलतन्हि.

पटना मे अखन जेहि इलाका के डीपीआर बनाबय लेल कहल गेल अछि ओ अछि-
पटना जंक्शन सं गांधी मैदान...
पटना जंक्शन सं हवाई अड्डा...
पटना जंक्शन सं पाटलिपुत्रा कॉलोनी...
आओर
पटना जंक्शन सं कंकड़बाग कॉलोनी.

दिल्ली मे जेना कइटा मेट्रो स्टेशन पर शॉपिंग मॉल बनाएल गेल अछि ओहिना एहिठाम सेहो मोनो रेल स्टेशन पर मॉल बना जगह के बेहतर इस्तेमाल सेहो होएत आओर पाई सेहो आएत.

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु