नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मैथिली एक्सप्रेस जयनगर तक करय पर विचार

दरभंगा सं कोलकाता के लेल शुरू भेल नवका ट्रेन मैथिली एक्सप्रेस के जयनगर तक करय के विचार भ रहल अछि. एहि ट्रेन के दरभंगा सं बढ़ा क जयनगर सं चलाबय के लेल लोक सभ मांग करने छथिन्ह एहि पर विचार भ रहल अछि.

दरभंगा सं कोलकाता के बीच शुरू भेल ई ट्रेन सप्ताह मे दू दिन चलैत अछि. दरभंगा सं ई बुध आओर शुक्र दिन खुलैत अछि...जखन कि कोलकाता सं रवि आओर वृहस्पति दिन खुलैत अछि. दरभंगा सं कोलकाता पहुंचए मे एहि ट्रेन के करीब 11 घंटा लगैत अछि.

मैथिली एक्सप्रेस दरभंगा सं 16:10 बजे खुलि समस्तीपुर... बरौनी... झाझा... आसनसोल... दुर्गापुर... बर्द्धमान होएत राति के 03:15 बजे कोलकाता पहुंचैत अछि. कोलकाता सं ई 10:40 बजे खुलि राति के 2200 बजे दरभंगा पहुंचैत अछि.

कोलकाता जाए लेल ई नीक ट्रेन अछि मुदा एकर टाइमिंग किछ गलत अछि... आबय-जाए के टाइम किछ आगां-पांछा करि देल जाए त लोक के सुविधा होएत. अखन ई कोलकाता राति के सवा तीन बजे पहुंचैत अछि.

आब ओतेक राति मे लोक मंजिल तक जाए के बदला भोर होए के इंतजार करए छथिन्ह. एहने हाल दरभंगा पहुंचए के सेहो अछि. ट्रेन दरभंगा राति के दस बजे पहुंचैत अछि. आब जिनकर घर दूर छनि ओ राति भर प्लेटफॉर्म पर काटय छथिन्ह.

आ त एहि ट्रेनक खुलय के टाइम किछ घंटा पहिने करि देल जाउ आ फेर आगां. एहि सं लोक के दरभंगा या फेर कोलकाता पहुंचला पर राति प्लेटफॉर्म पर नहि काटय पड़य.

दरभंगा सं आब कइटा ट्रेन भ गेल कोलकाता ..हावड़ा के लेल. गंगासागर एक्सप्रेस...मिथिलांचल एक्सप्रेस...जयनगर-हावड़ा पैसेंजर. दिल्ली लेल सेहो अछि मुदा आओर शुरू करय के जरूरत अछि किएक त समय पड़ला पर लोक के टिकट के लेल काफी दौड़-भाग करय पड़य छनि.

गर्मी छु्टटी...होली... दिवाली...छठि मे त कई बेर टिकटों नहि मिलैत रहैत अछि. टिकट कटाबय जाउ त कहत नो रूम. एहि के लेल इलाका के विधायक... एमपी सभ के रेल मंत्री सं आओर ट्रेन चलाबय के मांग करबाक चाही.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु