Skip to main content

ई कांग्रेस कि करि रहल अछि ?

आई-काल्हि मीडिया मे बच्चन परिवार के मामला छाएल अछि. पहिने बांद्रा-वर्ली सी लिंक समारोह मे सदी के महानायक अमिताभ बच्चन के मौजूदगी पर हो-हल्ला मचाएल गेल. फेर अभिषेक बच्चन के अर्थ ऑवर वाला मामला सामने आएल. पुणे समारोह मे तं महाराष्ट्र के मुख्यमंत्री बिग बी के संग आबय सं बचय के लेल एक दिन पहिने ओहिठाम भS अएलखिन्ह.
सवाल ई अछि जे कि अमिताभ बच्चन आओर अभिषेक बच्चन देश के नागरिक नहि छथिन्ह ? कि बांद्रा-वर्ली सी लिंक सिर्फ कांग्रेसक काज छल ? कि ओ पार्टी के कार्यक्रम छल जे दोसर के जनाए मना छल ? कि अर्थ ऑवर कार्यक्रम दिल्ली के मुख्यमंत्री शीला
दीक्षित जीक पर्सनल कार्यक्रम छलन्हि. अर्थ ऑवर के ब्रांड एंबेसडर होएतहुं अभिषेकक सभ बैनर पोस्टर हटा कs कांग्रेस देश के कोन संदेश देबय चाहैत अछि? कि कांग्रेस लोक के ई बताबय चाहैत अछि जो ओकर विरोध करला के बाद लोक के सामाजिक बहिष्कार के सामना करय पड़तन्हि.
कि मनमोहन सिंह जी सिर्फ कांग्रेस के प्रधानमंत्री छथिन्ह ? कि अशोक चव्हाण महाराष्ट्र मे सिर्फ कांग्रेसी लोक के मुख्यमंत्री छथिन्ह? कि शीला दीक्षित दिल्ली मे सिर्फ कांग्रेसी वोटर के मुख्यमंत्री छथीह ? अगर नहि तं फेर दोसर मतदाता... दोसर नागरिक के संग भेदभाव किएक ? अगर वो सार्वजनिक कार्यक्रम छल तं फेर अमिताभ बच्चन के संग अछूत जकां किएक व्यवहार कएल जा रहल अछि ? सोचय वाला सवाल ई अछि जे आई ई अमिताभ बच्चन जैसन मशहूर शख्स के संग भेल अछि काल्हि अहां... हमरा संग सेहो भs सकैत अछि ? अहां सभ के कि कहनाय अछि एहि विषय पर... जरूर बताएब.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

  1. ahank kahab uchit achhi. ham ahank vichar ke smarthan karait chhi.congress ehi mamalaa me je ka rahal chhaik se anuchit aa nindaneey chhaik.

    ReplyDelete
  2. "कांग्रेस और करत की ? चान पर थूकब ओहि सँ कि होएत.... ? अपने मुँह पर ने पड़त !! अमिताभ बच्चन भारत के समृद्ध कला एवं सांस्कृतिक धरोहर के प्रतीक छथि ! आ हुनक लब्धि कांग्रेसक कृपाक मोहताज नहि छैन्ह....... ई त घृणित दलीय राजनीति के परिचायक अछि !!!"

    Karan Samastipuri

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...