सवाल ई अछि जे कि अमिताभ बच्चन आओर अभिषेक बच्चन देश के नागरिक नहि छथिन्ह ? कि बांद्रा-वर्ली सी लिंक सिर्फ कांग्रेसक काज छल ? कि ओ पार्टी के कार्यक्रम छल जे दोसर के जनाए मना छल ? कि अर्थ ऑवर कार्यक्रम दिल्ली के मुख्यमंत्री शीला
दीक्षित जीक पर्सनल कार्यक्रम छलन्हि. अर्थ ऑवर के ब्रांड एंबेसडर होएतहुं अभिषेकक सभ बैनर पोस्टर हटा कs कांग्रेस देश के कोन संदेश देबय चाहैत अछि? कि कांग्रेस लोक के ई बताबय चाहैत अछि जो ओकर विरोध करला के बाद लोक के सामाजिक बहिष्कार के सामना करय पड़तन्हि.
कि मनमोहन सिंह जी सिर्फ कांग्रेस के प्रधानमंत्री छथिन्ह ? कि अशोक चव्हाण महाराष्ट्र मे सिर्फ कांग्रेसी लोक के मुख्यमंत्री छथिन्ह? कि शीला दीक्षित दिल्ली मे सिर्फ कांग्रेसी वोटर के मुख्यमंत्री छथीह ? अगर नहि तं फेर दोसर मतदाता... दोसर नागरिक के संग भेदभाव किएक ? अगर वो सार्वजनिक कार्यक्रम छल तं फेर अमिताभ बच्चन के संग अछूत जकां किएक व्यवहार कएल जा रहल अछि ? सोचय वाला सवाल ई अछि जे आई ई अमिताभ बच्चन जैसन मशहूर शख्स के संग भेल अछि काल्हि अहां... हमरा संग सेहो भs सकैत अछि ? अहां सभ के कि कहनाय अछि एहि विषय पर... जरूर बताएब.
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
ahank kahab uchit achhi. ham ahank vichar ke smarthan karait chhi.congress ehi mamalaa me je ka rahal chhaik se anuchit aa nindaneey chhaik.
जवाब देंहटाएं"कांग्रेस और करत की ? चान पर थूकब ओहि सँ कि होएत.... ? अपने मुँह पर ने पड़त !! अमिताभ बच्चन भारत के समृद्ध कला एवं सांस्कृतिक धरोहर के प्रतीक छथि ! आ हुनक लब्धि कांग्रेसक कृपाक मोहताज नहि छैन्ह....... ई त घृणित दलीय राजनीति के परिचायक अछि !!!"
जवाब देंहटाएंKaran Samastipuri