मिथिला सं मिशन बिहार

कांग्रेस के युवा नेता राहुल गांधी के मिशन बिहार आ ऑपरेशन बिहार जे कहिऔ... शुरू भ गेल अछि. हुनकर एहि मिशन के शुरूआत ओहि ठाम सं भेल अछि जतय सं राष्ट्रपिता महात्मा गांधी अपन चंपारण सत्याग्रह शुरू कएने छलखिन्ह. पश्चिम चंपारण के भितिहरवा गांधी आश्रम मे गांधीजी के मूर्ति पर फूल माला चढ़ा अपन अभियान के श्रीगणेश कएलखिन्ह. एहि अवसर पर भारी भीड़ जमा छल. राहुल गांधी सं मिलय लेल लोकसभ आतुर छलाह. राहुल जी कार्यकर्ता आओर कए लोक सं मिलबो कएलखिन्ह. एहिठाम ओ कहलखिन्ह जे हुनकर पार्टी कांग्रेस आब बिहार मे एकसरे चुनाव लड़त. ओ युवा सभ के राजनीति मे आबय के सेहो कहलखिन्ह आओर एकटा नवका बिहार बनाबय के आह्वान कएलखिन्ह. राहुल गांधी कहलखिन्ह जे बिहार के विकास चाहय छी त कांग्रेस के सरकार लाउ आओर दूनु ठाम कांग्रेस के सरकार रहत त प्रदेश के नीक विकास होएत.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com





Comments

Popular posts from this blog

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

हमर विआह- 8

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

फेर अगुआ बनत बिहार

मोन मिथिले मे अछि...

जिम्मेदार के ?

दिल्ली मे सामा चकेवा

दरभंगा मे मिथिला थीम पार्क

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

दरभंगा मे नवाह यज्ञ