एहि साल के प्रबोध साहित्य सम्मान जीवकांत जीके देल जएतन्हि. ई सम्मान मैथिली साहित्य के हुनकर विशेष योगदान के देखैत देल गेलन्हि. एहि सम्मान मे एक लाख रुपया आओर एकटा तामपत्र देल जाएत अछि. ई सम्मान जीवकांत जीके फरवरी मास मे पटना मे होए वाला एकटा समारोह मे देल जएतन्हि. हिनका एहि सं पहिने वैदेही सम्मान... किरण सम्मान आओर साहित्य अकादमी पुरस्कार सं सेहो सम्मानित कएल जा चुकल छनि. हिनकर प्रसिद्ध रचना मे ‘तकैत अछि चिड़ै’ ... ‘दू कुहेसक बाट’ ...’अग्निबाण’... ‘नाचू हे पृथ्वी’ आओर ‘सूर्य गलि रहल अछि’ शामिल अछि.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
Comments
Post a Comment