नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

ई शाहरुख के है भाई !

हिंदी फिल्म के सुपरस्टार... करोड़ों लोक के दिल के धड़कन शाहरुख खान जखन अमेरिका के नेवार्क एयरपोर्ट पर पहुंचला त सोचला जे भारत जैसन स्वागत एहि ठाम सेहो होएत. लोक के भीड़ होएत... फूलमाला लsक स्वागत होएत. ऑटोग्राफ लेबय वाला होताह. मुदा ई कि ? सुपरस्टार... वीवीआईपी मेहमान के एहन स्वागत ? हुनका दू घंटा सं बेसि देर तक हवाई अड्डा पर रोकल गेल. पचासों तरहक सवाल पूछल गेल. जान-पहचान के लोक के फोन नंबर मांगल गेल...फेर हुनका सभ सं ओकर वेरिफिकेशन कराएल गेल...दिल्ली सं लsक अमेरिका तक कतेक फोन-फान भेल... कतेक फोन घनघनाएल तखन बाहर अएला.
अमेरिकी अधिकारी के शाहरुख खान लाख कहैत रहलखिन्ह जे हम बॉलीवुड के सुपरस्टार शाहरुख खान छी... हम एहिठाम स्वतंत्रता दिवस समारोह मे शामिल होए लेल आएल छी. हुनका सभ पर कोनो असर नहि पड़लन्हि. ओ त बस एतबे कहैत रहलाह ई शाहरुख कोन है भाई ? जखन पूर्व राष्ट्रपति ओर केंद्रीय मंत्री के ओना नहि छोड़लिअ त तू के छ ?
शाहरुख खान के संग ई बर्ताव हुनका नाम के संग खान होबा के कारण भेल. ओ त शाहरुख छलाह जे जल्दीए छुटि गेलाह... आम लोक रहता त कई दिन के लेल हिरासत मे रहय के लेल मजबूर छलाह. शाहरुख जल्दी छुटला ओहो एहि लेल जे ओ एक घंटा बाद फोन करय के एकटा मौका मिलला पर झट द कांग्रेस नेता राजीव शुक्ला के फोन लगा देलखिन्ह. एकर बाद राजीव शुक्ला जी मोर्चा संभाललाह... अमेरिकी दुतावास... भारतीय दुतावास के अधिकारी सभके बतएलखिन्ह जे ओ भारत के बड़का अभिनेता... एक्टर छथिन्ह. दस ठाम सं दबाव पड़ल. तखन किछ काज भेल.
ई पहिल बेर नहि अछि जे कोनो भारतीय के संग एहन गप भेल अछि. किछिए दिन पहिने पूर्व राष्ट्रपति एपीजे अब्दुल कलाम के संग सेहो अमेरिकी एयरलाइंस दुर्व्यवहार कएने छल. मुदा पूर्वराष्ट्रपति के संग ओ बर्ताव कोनो विदेश मे नहि भारत मे भेल छल. आओर अहांक विमानन मंत्रालय कई मास धरि ओहि मामला के दबौने रहल. एहि सं पहिने पूर्व रक्षामंत्री जॉर्ज फर्नांडिस के संग सेहो फ्रिस्किंग कएल गेल छल. कपड़ा सभ उतरबा लेल गेल छल. एहि सं पहिने साउथ फिल्म के स्टार ममूटी...बॉलीवुड के नील नितीन मुकेश आओर कई फिल्म स्टार के संग अमेरिका मे एहन गप भ चुकल अछि.
स्वतंत्रता दिवस के दिन शाहरुख के अपमान
जे होए आब शाहरुख खान के अगिला फिल्म माई नेम इज खान हिट समझु. एकर बेसि शूटिंग अमेरिके मे भेल अछि. करन जौहर के एहि फिल्म के फॉक्स स्टूडियो के संग रिकॉर्ड डील भेल अछि.
ई सभ सरकार के लचर रवैया के कारण अछि. ओतेक मामला होएत रहैत अछि आओर सरकार के अधिकारी अंकल सैम के डरे मुंह नहि खोलैत छथिन्ह. ओना एहि बेर सूचना प्रसारण मंत्री अंबिका सोनी जी मुंह खोललीह अ . कहलीह जे हमरा संग जे एहन बर्ताव करय... ओकरो संग ओहने बर्ताव करबाक चाही. मुदा अंबिका जी के ई बयान देबय सं पहिने सरकार... पार्टी के रुख देख लेबाक चाही छलन्हि. किएक एतेक गंभीर त सरकार कहिओ नहि रहल... देशक नेता... वीवीआईपी लोक के बदनामी होएत रहल... विद्यार्थी सभ विदेश मे पीटाएत रहल मुदा सरकार सुतल रहल.
पुरनका सभ मामला के तरह एहि बेर सेहो किछ ठाम विरोध होएत... पुतला जलाएल जाएत... सभा संगत होएत... दस तरहक बयान आएत... फेर मामला ठंडा जाएत. फेर ओहिना के ओहिना. फेर एहन कोनो मामला होएत त फेर ओहे बात. भारत के लोक के त एकर आदत पड़ि गेल छै. कि सच छै कि नहि. अहां के कि लगैत अछि ?
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


4 टिप्‍पणियां:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु