Skip to main content

ई शाहरुख के है भाई !

हिंदी फिल्म के सुपरस्टार... करोड़ों लोक के दिल के धड़कन शाहरुख खान जखन अमेरिका के नेवार्क एयरपोर्ट पर पहुंचला त सोचला जे भारत जैसन स्वागत एहि ठाम सेहो होएत. लोक के भीड़ होएत... फूलमाला लsक स्वागत होएत. ऑटोग्राफ लेबय वाला होताह. मुदा ई कि ? सुपरस्टार... वीवीआईपी मेहमान के एहन स्वागत ? हुनका दू घंटा सं बेसि देर तक हवाई अड्डा पर रोकल गेल. पचासों तरहक सवाल पूछल गेल. जान-पहचान के लोक के फोन नंबर मांगल गेल...फेर हुनका सभ सं ओकर वेरिफिकेशन कराएल गेल...दिल्ली सं लsक अमेरिका तक कतेक फोन-फान भेल... कतेक फोन घनघनाएल तखन बाहर अएला.
अमेरिकी अधिकारी के शाहरुख खान लाख कहैत रहलखिन्ह जे हम बॉलीवुड के सुपरस्टार शाहरुख खान छी... हम एहिठाम स्वतंत्रता दिवस समारोह मे शामिल होए लेल आएल छी. हुनका सभ पर कोनो असर नहि पड़लन्हि. ओ त बस एतबे कहैत रहलाह ई शाहरुख कोन है भाई ? जखन पूर्व राष्ट्रपति ओर केंद्रीय मंत्री के ओना नहि छोड़लिअ त तू के छ ?
शाहरुख खान के संग ई बर्ताव हुनका नाम के संग खान होबा के कारण भेल. ओ त शाहरुख छलाह जे जल्दीए छुटि गेलाह... आम लोक रहता त कई दिन के लेल हिरासत मे रहय के लेल मजबूर छलाह. शाहरुख जल्दी छुटला ओहो एहि लेल जे ओ एक घंटा बाद फोन करय के एकटा मौका मिलला पर झट द कांग्रेस नेता राजीव शुक्ला के फोन लगा देलखिन्ह. एकर बाद राजीव शुक्ला जी मोर्चा संभाललाह... अमेरिकी दुतावास... भारतीय दुतावास के अधिकारी सभके बतएलखिन्ह जे ओ भारत के बड़का अभिनेता... एक्टर छथिन्ह. दस ठाम सं दबाव पड़ल. तखन किछ काज भेल.
ई पहिल बेर नहि अछि जे कोनो भारतीय के संग एहन गप भेल अछि. किछिए दिन पहिने पूर्व राष्ट्रपति एपीजे अब्दुल कलाम के संग सेहो अमेरिकी एयरलाइंस दुर्व्यवहार कएने छल. मुदा पूर्वराष्ट्रपति के संग ओ बर्ताव कोनो विदेश मे नहि भारत मे भेल छल. आओर अहांक विमानन मंत्रालय कई मास धरि ओहि मामला के दबौने रहल. एहि सं पहिने पूर्व रक्षामंत्री जॉर्ज फर्नांडिस के संग सेहो फ्रिस्किंग कएल गेल छल. कपड़ा सभ उतरबा लेल गेल छल. एहि सं पहिने साउथ फिल्म के स्टार ममूटी...बॉलीवुड के नील नितीन मुकेश आओर कई फिल्म स्टार के संग अमेरिका मे एहन गप भ चुकल अछि.
स्वतंत्रता दिवस के दिन शाहरुख के अपमान
जे होए आब शाहरुख खान के अगिला फिल्म माई नेम इज खान हिट समझु. एकर बेसि शूटिंग अमेरिके मे भेल अछि. करन जौहर के एहि फिल्म के फॉक्स स्टूडियो के संग रिकॉर्ड डील भेल अछि.
ई सभ सरकार के लचर रवैया के कारण अछि. ओतेक मामला होएत रहैत अछि आओर सरकार के अधिकारी अंकल सैम के डरे मुंह नहि खोलैत छथिन्ह. ओना एहि बेर सूचना प्रसारण मंत्री अंबिका सोनी जी मुंह खोललीह अ . कहलीह जे हमरा संग जे एहन बर्ताव करय... ओकरो संग ओहने बर्ताव करबाक चाही. मुदा अंबिका जी के ई बयान देबय सं पहिने सरकार... पार्टी के रुख देख लेबाक चाही छलन्हि. किएक एतेक गंभीर त सरकार कहिओ नहि रहल... देशक नेता... वीवीआईपी लोक के बदनामी होएत रहल... विद्यार्थी सभ विदेश मे पीटाएत रहल मुदा सरकार सुतल रहल.
पुरनका सभ मामला के तरह एहि बेर सेहो किछ ठाम विरोध होएत... पुतला जलाएल जाएत... सभा संगत होएत... दस तरहक बयान आएत... फेर मामला ठंडा जाएत. फेर ओहिना के ओहिना. फेर एहन कोनो मामला होएत त फेर ओहे बात. भारत के लोक के त एकर आदत पड़ि गेल छै. कि सच छै कि नहि. अहां के कि लगैत अछि ?
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

  1. शानदार रचना है । स्वतंत्रता दिवस की हार्दिक बधाई।

    ReplyDelete
  2. Dhanyawad Mithilesh Jee. ahun ke Swatantrata Diwas ke badhai

    ReplyDelete
  3. Dhanyawad Ambuj jee... ahanke neek laagal... man khush bha gel

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...