लालू फेर खयलाह माछ...

पूर्व रेल मंत्री आओर आरजेडी प्रमुख लालू प्रसाद यादव जी फेर सं माछ खाय लगलाह अ. माछ खाय के लेल ओ भगवान सं माफी सेहो मांगलखिन्ह. असल मे करीब 6 साल पहिने लालूजी माछ-मांस खनाय बंद कय देने छलखिन्ह. ओहि समय हुनकर कहनाय छलन्हि जे सपना मे भोला बाबा आs कs हुनका सं माछ-मांस छोड़ि देबय लेल कहलखिन्ह. त लालू जी भगवान के सपना के बादहुं किएक फेर सं माछ खनाय शुरू कय देलाह... असल बात त ओहे जानताह. मुदा माछ खनाय शुरू करय के बात ओ मानि रहल छथिन्ह. जखन लोक हुनका सं पुछलखिन्ह जे माछ खनाय किएक छोड़ि देने छलहुं त ओ अपन अंदाज मे कहलखिन्ह जे माथा गरम रहय छल तेही लेल.

Bookmark and Share

Comments

Popular posts from this blog

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर विआह- 8

हमर विआह-6

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

बिहार के एकटा आओर सम्मान

हमर विआह-10

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

हमर विआह-9

किछ हरायल शब्द

हमर विआह 3 ( तेसर कड़ी )