नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मिथिला राज्य के लेल धरना प्रदर्शन...

मिथिला राज्य बनाबय के मांग के लsक दिल्ली के जंतर-मंतर पर धरना प्रदर्शन कएल गेल. धरना-प्रदर्शन अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति के ओर सं कएल गेल. धरना पर बैसल लोक के कहनाय छलनि जे आजादी के ओतेक साल के बादो मिथिला क्षेत्र पिछड़ल अछि. इलाका के सम्पूर्ण विकास कs लेल अलग राज्य बनानाय एकदम जरूरी अछि. धरना पर समिति के राष्ट्रीय अध्यक्ष डॉ वैद्यनाथ चौधरी सेहो बैसल छलाह. हुनकर कहनाय छलन्हि जे अखन धरि कोनो सरकार मिथिलांचल के विकास पर ध्यान नहि देलक. आओर जखन धरि अलग राज्य नहि बनत हम सभ चैन सं नहि बैसब. लोक सभ बीच-बीच मे नारा सेहो लगाबैत छलाह जे भीख नहि अधिकार चाही... हमर हमरा मिथिला राज्य चाही. धरना के बाद राष्ट्रपति... प्रधानमंत्री के नाम सं ज्ञापन सेहो सौंपल गेल. एहिठाम करीब सय लोक जुटल छलाह.
दिल्लीए जका मधुबनी मे सेहो अलग मिथिला राज्य के लेल कलक्टर दफ्तर के सामने धरना देल गेल. अंतरराष्ट्रीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति के राष्ट्रीय अध्यक्ष चुनचुन मिश्र व राष्ट्रीय महासचिव प्रो. उदय शंकर मिश्र के नेत्वृत मे सैकड़ों लोक धरना पर बैसलाह. हुनकर कहनाय छलनि जे अखन धरि सभ राजनेता सभ मिथिलाक उपेक्षा कएलाह. जकर कारण आई मिथिला मे विकास नहि दिखाएत अछि . लोक गरीबी... बेरोजगारी मे जीवय लेल मजबूर छथि. हर साल बाढ़ि कहल झेलए छथि.
मधुबनी के धरना मे सभ दलक लोक सभ छलाह. धरना के बाद कलक्टर के राष्ट्रपति के नाम सं एकटा ज्ञापन देल गेल. अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद के डॉ धनाकर ठाकुर जीक अनुसार 22 दिसम्बर के दिल्ली मे एकटा बड़का धरना के आयोजन कएल जाएत. ओहि सं पहिने देश भर मे छोट-छोट बैसार... धरना प्रदर्शन होएत रहत.
Bookmark and Share

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु