नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

किछ बेसि वोट पड़ल...

बिहार मे तेसर चरण के मतदान शांतिपूर्ण ढ़ंग सं संपन्न भ गेल. एहि बेर पिछला चरण के मुकाबला किछ बेसि वोट पड़ल अछि. वोटिंग प्रतिशत बढ़ि कs 48 फ़ीसदी तक पहुंचि गेल. 30 तारीख के 11 संसदीय सीट अररिया, बांका, बेगूसराय, भागलपुर, खगड़िया, कटिहार, किशनगंज, मधेपुरा, सुपौल, मुंगेर आओर पूर्णिया मे वोट डालल गेल. एहि सं पहिले 16 आओर 23 अप्रैल के 13-13 सीट पर वोट भेल छल. तेसर चरण के वोट मे जेडीयू अध्यक्ष शरद यादव (मधेपुरा), केन्द्रीय मंत्री आओर आरजेडी नेता तस्लीमुद्दीन (किशनगंज) , पूर्व केन्द्रीय मंत्री आओर बीजेपी नेता शाहनवाज हुसैन (भागलपुर), निर्दलीय के रूप मे पूर्व विदेश राज्य मंत्री दिग्विजय सिंह (बांका), एनसीपी के महासचिव तारिक अनवर (कटिहार), जदयू के प्रदेश अध्यक्ष राजीव रंजन सिंह उर्फ ललन सिंह (मुंगेर) आओर नीतीश मंत्रिमंडल के पूर्व सदस्य मोनाजिर हसन (बेगूसराय) सहित 203 उम्मीदवारक प्रतिष्ठा दांव पर लागल अछि. महिला उम्मीदवार मे सांसद पप्पू यादव जीक पत्नी रंजीता रंजन, हुनकर मां शांतिप्रिया देवी सहित दिवंगत वामपंथी नेता अजीत सरकार के पत्नी माधवी सरकार के भाग्य के फैसला सेहो ईवीएम मे बंद भ गेल अछि.
                         एहि बेर के वोट अहां कहि सकय छी मुख्य रूप सं मिथिला मे छल आओर ज्यादातर इलाका कोसी के बाढ़ि सं प्रभावित छल. एहि इलाका मे एहि बेर प्रचार सेहो किछ सुस्त रहल. बाढ़ि मुख्य मुद्दा रहल. राहत आओर बचाव के राजनीति छाएल रहल. मुदा लोकक गुस्सा देखि नेता सभ लोकक बीच जाए सं बचैत रहलाह. राज्य सरकार के कहनाय छल जे केंद्र सं उचित मदद नहिं मिलल. जखन कि कांग्रेस आओर आरजेडी के कहनाय छल जे राज्य सरकार केंद्र सं मिलल मदद के नीक सं लोक तक नहिं पहुंचयलक. एहि बेर परीसीमन के बाद एकटा नवका संसदीय क्षेत्र सुपौल बनल. सुपौल क्षेत्र मे सहरसा, मधेपुरा ओर अररिया के किछ क्षेत्र के मिला क बनाएल गेल अछि. सहरसा चुनाव क्षेत्र नहिं रहला के कारण लोक सभ विरोध सेहो कएलखिन्ह. किछ रंगकर्मी सभ वोट बहिष्कार के बात सेहो कएने छलखिन्ह. आब सभ लोकनि के नजर 16 ताऱीख के होए वाला मतगणना पर लागि गेल अछि. 
Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeed Add to Technorati Favorites



TwitIMG

2 टिप्‍पणियां:

  1. बहुत ही उम्दा. हमें मैथिलि सीखने का अवसर मिल रहा है. लेकिन बहुत से शब्द शुद्ध हिंदी के लग रहे हैं जैसे"केन्द्रीय" "निर्दलीय" आदि.

    जवाब देंहटाएं
  2. Bahut achcha laga...jaise English ke kuchh shabd Hindi mein humne jyon ke tyon le liye hain usi tarah hindi ke bhi kuchh shabd maithili mein hain...

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु