Skip to main content

मदद केर अपील Madad ker zaroorat


दिल्ली मे सरिता विहार अपोलो अस्पताल मे मिथिलाक एकटा लड़का भर्ती छथिन्ह माधव चौधरी जी. ओ आईसीयू के बेड नंबर 2114 मे छथिन्ह. हिनका O+ ग्रुप खून केर आओर किछ आर्थिक मदद के जरूरत छनि. अगर अहां सभ कोनो तरहे हिनकर मदद कs सकय छी त हिनका सं सम्पर्क करय के कोशिश करु. माधव जी केर पिताजी आब एहि दुनिया मे नहिं छथिन्ह ताहि लs क हिनकर सभ खर्च हिनकर एकटा रिश्तेदार राजीव कुमार चौधरी जी के उठाबय पड़ि रहल छनि. मुदा अपोलो के डॉक्टर के कहनाय छनि जे हिनका इलाज के लेल 10- 12 लाख के खर्च पड़त. ई खर्च उठयनाय दिल्ली मे एकटा छोट छिन नौकरी करय वाला राजीव चौधरी जीक लेल संभव नहिं छनि. राजीव जी दिल्ली के ग्रीनपार्क मे computerware नामक एकटा सॉफ्टवेयर कंपनी मे काज करय छथिन्ह. राजीव जी के सम्पर्क नंबर छनि +91- 9210301432 . राजीव जी के कहनाय छनि जे माधव चौधरी जी दिल्ली आबय के क्रम मे ट्रेन सं खसि पड़ल छलाह आ इलाज के क्रम मे हिनकर फेफड़ा मे पानि भरि गेलन्हि. जकर इलाज के लेल पाई आओर खूनक जरूरत अछि. राजीव चौधरी जी फोन पर माधव जीक गामक पता सेहो लिखएलाह

नाम- माधव चौधरी
पिता-स्वर्गीय विश्वनाथ राय
दादा -स्वर्गीय कामेश्वर राय
गाम-बाथो (Batho )
पोस्ट-बाथो
थाना बहेड़ी
प्रखंड-बेनीपुर
जिला दरभंगा पिन-847237

ई जानकारी हमरा पास मेल सं भेजलाह अ किसलय किशोर जी... हिनकर फोन नंबर छनि. +91-9871901182
हम तीनु मे सं किनको नहिं जानैत छी मुदा हमरा पास ई मेल आएल आ लागल जे एकरा हेलो मिथिला पर देबाक चाही ताहि लेल द रहल छी. अगर अहां सभ सं भ सकय त हिनका किछ मदद करबाक चेष्टा करब. अहांक छोट छिन मदद ककरो जिनगी बचा सकय अछि. अहां सभ अपोलो अस्पताल जाक हुनका देख सेहो सकय छी.



Comments

  1. Hinkar purn delli address our verfication sampark kari

    http://www.agrfriends.com

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...