राज के राहत

राज ठाकरे के मिलि गेल राहत. ओ जमानत मिलला के बाद एक बेर फेर हीरो के तरहे घर गेलाह. मिठाई खिलाएल गेल...पटाखा फोड़ल गेल... हुनकर समर्थक सभ खुशी मनौलक. हुनका अखन दु दिन के लेल अंतरिम जमानत देल गेल अछि. 24 तारीख के हुनका फेर सं अदालत मे पेश होए पड़तन्हि. मुदा राज ठाकरे के खिलाफ कइटा आओर मामला आबि गेल अछि ताहि सं लगैत अछि हुनका अखन जल्दी राहत नहिं मिलत. आब किछ दिन तक कोर्ट चक्कर लगैत रहत. ओना राज ठाकरे के लs क हुनकर समर्थक सभ बुधदिन सेहो जमि कs तोड़फोड़ कएलक. कोर्ट मे पेशी के लsक कल्याण मे जबरदस्त पुलिस इंतजाम कएल गेल छल. हिंसक प्रदर्शन के देखैत कल्याण कोर्ट आओर मानपाड़ा थाना के आसपास कर्फ्य सेहो लगाबय पड़ल. राज के राहत मिलला सं बिहार मे कईठाम उग्र प्रदर्शन भेल. विद्यार्थी सभ कईठाम तोड़फोड़ करलाह. कइटा ट्रेन के निशाना बनाएल गेल... आगि सेहो लगा देल गेल. रेल गाड़ी के चलनाय पर भारी असर पड़ल . कइटा ट्रेन के रद्द सेहो करय पड़ल. ओना रेल मंत्री लालू यादव जी छात्र सभ के भरोस देलखिन्ह अ जे जेहि छात्र के परीक्षा नहिं भेलन्हि हुनका फेर सं परीक्षा मे बैसय देल जाएत. हुनकर परीक्षा फेर सं होएत.

राज के लs क दिल्ली के राजनीति सेहो गरमाएल रहल. कइटा नेता के कहनाय छलन्हि जे के गिरफ्तारी केवल दिखावा अछि. राज के जानि बुझि कs हीरो बनाएल जा रहल अछि. राज्य केर कांग्रेस सरकार जानि बुझि कs राज के प्रति नरमी बरति रहल अछि. राज के समर्थक सभ के हिंसा करय के खुलल छूट देल गेल. पुलिस के जे सख्ती बरतय के चाही से नहिं बरतलक. खैर आब देखिऔ 24 ताऱीख के कि होएत अछि.

Comments

  1. राहत तो मिलनी ही थी हितेन्द्र जी... आपको क्या लगा था लालू सरीखे नेता उसका कुछ बिगाड लेंगे... और उसके बाद हमने क्या किया अपने ही घर में आग लगा दी...

    ReplyDelete
  2. राहत तो मिलनी ही थी हितेन्द्र जी और कयूं नही मिलती वो महाराष्ट्र है वहां के लोग अपने प्रदेश के लिए समर्पित हैं ... हमारे नेताओं की तरह थोडे ही जो दुर से बैठ कर डींगे हांकते रहते हैं की ये कर लेगे और वो कर लेंगे मगर समय पडने पर बील में घुस जाते हैं... क्या हुआ लालू का मुंबई में छठ मनाने वाला वायदा कहां घुस गए वो...

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

किछ हरायल शब्द

पूर्णिया मे सुखोई

हमर विआह-10

हमर विआह -1 (पहिल कड़ी)

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

राग-विराग

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

हमर विआह- 8