नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

झंझारपुर-लौकहा बड़ी लाइन

अगिला चुनाव सं पहिले विकास केर काज मे तेजी आबि रहल अछि. खबर अछि जे झंझारपुर सं लौकहा के बीच छोटी लाइन के बड़ी लाइन मे बदलय के काज एहि मास सं शुरू भs जाएत. रेल विभाग के कोशिश 12 अक्तूबर सं काज शुरू कs देबय के अछि. उम्मीद अछि जे एहि पर 355 करोड़ रुपया के खर्च आएत. रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव जी मिथिला पर किछ खास ध्यान दs रहल छथिन्ह. एहि के लेल दरभंगा केर सांसद आओर केंद्रीय मंत्री मो. अली अशरफ फातमी जी... मधुबनी के प्रतिनिधि केंद्रीय गृहराज्य मंत्री डॉ शकील अहमद जी आओर सांसद देवेंद्र यादव जी... ई तीनु गोटा मिलि कs बेसि सं बेसि काज अपन मिथिला मे लाबय के कोशिश करय छथिन्ह. अगर राज्य सरकार आओर केंद्र सरकार के बीच तालमेल रहैत त आओर बेसि काज होएत. दुनु ठाम दु सरकार भेलाह सं ओतेक तालमेल नहि जमय छै. मुदा एकर फायदा सेहो छै. राज्य सरकार बीच- बीच मे हुड़काबैत सेहो रहैत अछि. स्वस्थ आलोचना... प्रतियोगिता... एक दोसरा सं बेसि काज कराबय के इच्छा ... एहि सं विकास सेहो रफ्तार पकड़ छै. राज्य सरकार चाहैत अछि जे ओ केंद्र सं बेसि काज करय आओर केंद्र सरकार के कोशिश सेहो रहय छै जे कोनो क्षेत्र मे राज्य सरकार सं पाछां नहिं रहि. एकर फायदा लोक के मिलैत अछि. भगवान सं प्रार्थना करु जे साठ साल धरि उपेक्षित रहल अपन मिथिलांचल मे विकासक किछ काज होएय...रफ्तार पकड़य. एहि के लेल गाम- घर के लोक सभ के अपन-अपन समस्या...परेशानी...दुख सं अपन विधायक... सांसद.. प्रतिनिधि सभ के बीच -बीच अवगत सेहो कराबैत रहय पड़तन्हि. हुनका सभ के कहिओ सड़क.. त कहिओ बिजली.. त कहिओ टेलीफोन... त कहिओ रेलगाड़ी मे भीड़भाड़...त कहिओ रोजगार के समस्या सं दु चारि कराबैत रहिऔ. ओ जानताह तखन नहि किछ करताह. लोकतंत्र मे कनि बेसि जागरूक होए पड़य छै नहिं त सभ किछ मे पिछड़ि जाएब. अखन शिक्षा क्षेत्र मे केंद्रीय विश्वविद्यालय केर मांग कs सकय छी. बिहार मे एकटा बनय वाला अछि ओकरा मिथिलांचल मे लाबय के कोशिश करु. ई कोशिश करु जे मिथिलांचल मे बीपीओ सेंटर खुलय... आईटी के विकास होय... नबका- नबका संस्थान खुलय... आईआईएम... आईआईटी... आईआईएमसी... दोसर संस्थान सभ. एकरा लेल हल्ला त करय पड़त. बिना आवाज उठएले किछ नहिं होएत.


1 टिप्पणी:

  1. पढ़ कs अत्यधिक प्रसन्नता भेल जे मिथिलांचल में किछु विकासक काज भs रहल ऐछ. सकरी झंझारपुर लौकहा रेल लाइन के आमान परिवर्तन केर घोषणा एकटा शुभ संकेत ऐछ मुदा जाबे धेर अहि घोषणा केर अमली जामा नै पहिरावल जैत ताबे धेर संतुष्टि नै हैत. झंझारपुर और निकटवर्ती क्षेत्र के लेल रेल लाइन एकटा जीवन रेखा जेंका छी. ओई समूचाs क्षेत्रक लोक सब रेलवे के माध्यम से समूचा भारत वर्ष सों जुडल छैथ. दरभंगा जयनगर बड़ी लाइन भेला के बाद, झंझारपुर क्षेत्रक लोक सब के किछु समस्या भ रहल छेलन. कियाक त s सकरी रेलवे स्टेशन पर ट्रेन बदल पड़े छेलन, जतs कि यात्री सुविधा के खास आभाव छल. संगहिं दूर के यात्री जेना कि दिल्ली, बॉम्बे, कलकत्ता सबs से अबे वाला यात्री सब के विशेष समस्या होई छेलन. पहिने दरभंगा में ट्रेन बदलू, फेर सकरी में बदलू आ तहन झंझारपुर जौ. आब बड़ी लाइन भs गेला सs नहि केवल दरभंगा झंझारपुरक लोक सब कs बल्कि पूरा मिथिलांचलक लोकनिक क फयदा हेतन. घोषणा सs बहुत प्रसन्नता भेल. रेल मंत्री श्री लालू प्रसाद यादव क साधुवाद. उम्मीद थिक जे आमान परिवर्तन क काज शीघ्र पूरा सेहो क लेल जैत.
    मनोरंजन कुमार झा
    इन्द्रा विहार, मुख़र्जी नगर
    दिल्ली.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु