बिहार मे बंद पड़ल चारि टा सरकारी चीनी मिल के जल्दीए खुलय के उम्मीद अछि. ई चारु मिल निजी क्षेत्र केर मदद सं खोलय के योजना अछि. बिहार मे अखन जे बीमार पड़ल पंद्रह टा चीनी मिल बंद अछि ओहि मे सं चारि टा चीनी मिल लौरिया... सुगौली... मोतीपुर आओर लोहट मे निजी क्षेत्र केर मदद सं खुलत . मुकेश अंबानी के कंपनी रिलायंस इंडस्ट्रीज लिमिटेड... आरआईएल मुजफ्फरपुर के मोतीपुर मिल लेबय चाहैत अछि. चंपारण के लौरिया आओर सुगौली मिल मे हिंदुस्तान पेट्रोलियम ... एचपीसीएल केर उत्सुकता छनि. जखन कि सरकार के योजना लोहट, मधुबनी चीनी मिल के रॉलकॉन के देबय के अछि. जे खबर आबि रहल अछि ओकर मुताबिक ई चारु मिल के निजी हाथ मे सौंपय के प्रक्रिया आखिरी चरण मे अछि. कोनो दिन सौंपल जा सकय अछि. सरकार के योजना निजी क्षेत्र केर मदद सं आओर चीनी मिल के खोलय के अछि. एहि कंपनी सभ के चीनी के संग इथेनॉल बनाबय के इजाजत सेहो देल गेल अछि. बिहार मे सिर्फ इथेनाल बनाबय के मिल नहिं खोलय देल जाएत. इथेनाल बनाबय के काज चीनी उत्पादन के संगहि होएत. ओना सरकार के पास बाइसटा चीनी मिल खोलय के प्रस्ताव आएल अछि. ई प्रस्ताव पांच हजार करोड़ रुपया सं ऊपर के अछि. मुदा सरकार के उम्मीद छै जे अखन जे मिल बंद पड़ल छै ओकरो लेल उद्योगपति सभ आगां अएताह. अखन जे मिल बंद एछि ओहि मे रैयाम... सकरी... बिहटा... समस्तीपुर... बनमनखी... हथुआ... सीवान... गोरौल शामिल अछि. ई सभ मिल करीब पंद्रह ..सोलह साल सं बंद अछि.
नवका- पुरनका लेख सर्च करु...
Band Cheenee mil khulat..
[ बंद चीनी मिल खुलत ]
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
bihar me javat udyog nahi khujat lok bahar bhagite rahat, bar nik kaj kay rahal chhi ahan
जवाब देंहटाएं