Skip to main content

आब किएक जाएब पंजाब ?

आई गाम पर बात भs रहल छल. गाम तरफ दु-तीन दिन सं पानि भs रहल छै. हम पूछलिएन्हि जे रोपनि के कि हाल छै त मालूम भेल एहि बेर रोपनि के लेल जन-बनिहार के ओतेक दिक्कत नहिं छै. एहि बेर पंजाब- हरियाणा जाय वाला जन बनिहार... किसान... मजदूर के संख्या कम भेल अछि. आब जन-बनिहार पंजाब जनाय सं गामे-घर में काज करनाय बेहतर समझय छथिन्ह. गाम-घर में सेहो आब नीक मजदूरी मिलि जाइत अछि. एहि के लेल सरकार सेहो बधाई के पात्र अछि. मजदूरी तय करि देल गेल अछि. मजदूरी के लेल जे जन बनिहार बाहर जाइत छलाह ओ आब जखन गामे-घर में मिलि जा रहल अछि तs किएल बाहर जइताह. गाम घर में तs खैनी खा रहल छी.. पनपिआई आबि रहल अछि रोपनि क रहल छी, ओहि ठाम तs दिन-राति लागल रहुं. नहिं कोई गप्प करय वाला नहिं कोई अपन सुनय वाला. जंs कनिओ सुस्तइलौं कि चारि टा गाइरि सुनइ पड़ैत छल. हर बात पर बिहारी...बिहारी कs गरिआबैत छल. आब गाम-घर ...अपना जिला टा में दस तरहक काज मिलय लागल अछि.
कतउ सड़क बनि रहल अछि त कतहुं पुल...कतहुं बांधक काज भs रहल अछि त कतहुं स्कूल मकान बनि रहल अछि. कतहुं मुख्यमंत्री सड़क योजना पर काज भs रहल अछि त कतहुं प्रधानमंत्री सड़क योजना पर. राष्ट्रीय ग्रामीण रोजगार गारंटी योजना सेहो लोक के लेल नीक साबित भ रहल अछि. घर के आसपास काज मिलि रहल अछि. एतबे नहिं खेती के सेहो बाजार सं जोड़ल जा रहल अछि. रोजगार सं जोड़ल जा रहल अछि. सरकार के कोशिश अछि जे बेसि सं बेसि लोक के घरक आसपास कोनो नहिं कोनो रोजगार... काज मिलि जाइ. एहि सभ के लेल विकासक काज त भ ए रहल अछि. लोक सभ के जीवन स्तर सेहो सुधरि रहल अछि. आंगनबाड़ी... शिक्षामित्र... टीचर के काज मिलला सं पढ़ल लिखल लोक सभ सेहो शहर दिस जाय सं पहिने एक बेर सोचि रहल छथिन्ह. सरकार रोजगार उपलब्ध कराबय लेल माछक कारोबार पर जोर देबय जा रहल अछि. माछ के रोजगार में कमाई सेहो खूब अछि आओर अपन मैथिली लोकनि माछक विशेष रूप सं प्रेमी छी. आओर आई काल्हि बाजार में अपन दिसsक पोखरि के जगह बाहर के नदी के... समुद्रक माछ मिलैत अछि. जकर स्वाद पोखरिक माछ जकां नहिं होइत अछि. सरकार एकरा लेल माछ आओर मखान उद्योग पर विशेष ध्यान देबय जा रहल अछि. एहि सं जरूर लोक के रोजगार मिलत आ ओ गाम घर छोड़ि बाहर जाय सं बेहतर गाम घर पर काज करय के प्राथमिकता देथिन्ह.
एकरे संग सरकार गन्ना...कुसियार के खेती के सेहो बढ़ावा देबय जा रहल अछि. अहां सभ के याद होयत जे रैयाम... सकरी... लोहट चीनी मिलक आसपास के गाम घर के समृद्धि इहे चीनी मिल के कारण छल. अगर ई चीनी मिल आई चालू रहैत तs अपन इलाका के विकासक बात किछ आओर रहैत. पंडौल आद्यौगिक क्षेत्र सेहो वीरान पड़ल अछि. एहि तरहे अशोक पेपर मिल के हालत सेहो खराब भ गेल. ओना एहि सभ उद्योग के बंद होय के लेल हम मिथिलावासी सेहो ओतबे जिम्मेदार छी.
जे होइ बिहार में चौतरफा विकासक बयार चलि पड़ल अछि. सभ तरहक काज भs रहल अछि. नैशनल हाइवे पर सेहो काज भs अछि. एहि सभ काज के पूरा होय... एकर असर दिखय में अखन वक्त लागत... मुदा कदम बढ़ि चुकल अछि. एकरा सतत रूप सं आगां बढ़ावैत रहय के जरूरत अछि. हमरा सभ क सेहो चाहि जे एहि नीक काज के बेसि सं बेसि प्रचार प्रसार भS सकय जाहि सं लोक के सेहो प्रेरणा मिलय. आओर दोसर लोक सेहो नीक काज करल लेल आगां आबथिन्ह. एकटा गप्प आओर जे बिहार सं बाहर रहय वाला लोक सभ सेहो किछ नहि किछ विकास में योगदान जरूर करय जयथुन्ह. अगर ओ अपन कमाई के सौ रूपया में सं एकोटा रुपया बिहार के विकास के लेल देथिन्ह त बिहार पंजाब सं आगां चलि जाएत. तs आगां बढुं अपन मिथिला...अपन बिहार के लेल किछ करुं.

Comments

  1. अपने सभन के बिहार में रखकर कि करबै। जाये दियौ सभन के पंजाब।

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर