Skip to main content

आब किएक जाएब पंजाब ?

आई गाम पर बात भs रहल छल. गाम तरफ दु-तीन दिन सं पानि भs रहल छै. हम पूछलिएन्हि जे रोपनि के कि हाल छै त मालूम भेल एहि बेर रोपनि के लेल जन-बनिहार के ओतेक दिक्कत नहिं छै. एहि बेर पंजाब- हरियाणा जाय वाला जन बनिहार... किसान... मजदूर के संख्या कम भेल अछि. आब जन-बनिहार पंजाब जनाय सं गामे-घर में काज करनाय बेहतर समझय छथिन्ह. गाम-घर में सेहो आब नीक मजदूरी मिलि जाइत अछि. एहि के लेल सरकार सेहो बधाई के पात्र अछि. मजदूरी तय करि देल गेल अछि. मजदूरी के लेल जे जन बनिहार बाहर जाइत छलाह ओ आब जखन गामे-घर में मिलि जा रहल अछि तs किएल बाहर जइताह. गाम घर में तs खैनी खा रहल छी.. पनपिआई आबि रहल अछि रोपनि क रहल छी, ओहि ठाम तs दिन-राति लागल रहुं. नहिं कोई गप्प करय वाला नहिं कोई अपन सुनय वाला. जंs कनिओ सुस्तइलौं कि चारि टा गाइरि सुनइ पड़ैत छल. हर बात पर बिहारी...बिहारी कs गरिआबैत छल. आब गाम-घर ...अपना जिला टा में दस तरहक काज मिलय लागल अछि.
कतउ सड़क बनि रहल अछि त कतहुं पुल...कतहुं बांधक काज भs रहल अछि त कतहुं स्कूल मकान बनि रहल अछि. कतहुं मुख्यमंत्री सड़क योजना पर काज भs रहल अछि त कतहुं प्रधानमंत्री सड़क योजना पर. राष्ट्रीय ग्रामीण रोजगार गारंटी योजना सेहो लोक के लेल नीक साबित भ रहल अछि. घर के आसपास काज मिलि रहल अछि. एतबे नहिं खेती के सेहो बाजार सं जोड़ल जा रहल अछि. रोजगार सं जोड़ल जा रहल अछि. सरकार के कोशिश अछि जे बेसि सं बेसि लोक के घरक आसपास कोनो नहिं कोनो रोजगार... काज मिलि जाइ. एहि सभ के लेल विकासक काज त भ ए रहल अछि. लोक सभ के जीवन स्तर सेहो सुधरि रहल अछि. आंगनबाड़ी... शिक्षामित्र... टीचर के काज मिलला सं पढ़ल लिखल लोक सभ सेहो शहर दिस जाय सं पहिने एक बेर सोचि रहल छथिन्ह. सरकार रोजगार उपलब्ध कराबय लेल माछक कारोबार पर जोर देबय जा रहल अछि. माछ के रोजगार में कमाई सेहो खूब अछि आओर अपन मैथिली लोकनि माछक विशेष रूप सं प्रेमी छी. आओर आई काल्हि बाजार में अपन दिसsक पोखरि के जगह बाहर के नदी के... समुद्रक माछ मिलैत अछि. जकर स्वाद पोखरिक माछ जकां नहिं होइत अछि. सरकार एकरा लेल माछ आओर मखान उद्योग पर विशेष ध्यान देबय जा रहल अछि. एहि सं जरूर लोक के रोजगार मिलत आ ओ गाम घर छोड़ि बाहर जाय सं बेहतर गाम घर पर काज करय के प्राथमिकता देथिन्ह.
एकरे संग सरकार गन्ना...कुसियार के खेती के सेहो बढ़ावा देबय जा रहल अछि. अहां सभ के याद होयत जे रैयाम... सकरी... लोहट चीनी मिलक आसपास के गाम घर के समृद्धि इहे चीनी मिल के कारण छल. अगर ई चीनी मिल आई चालू रहैत तs अपन इलाका के विकासक बात किछ आओर रहैत. पंडौल आद्यौगिक क्षेत्र सेहो वीरान पड़ल अछि. एहि तरहे अशोक पेपर मिल के हालत सेहो खराब भ गेल. ओना एहि सभ उद्योग के बंद होय के लेल हम मिथिलावासी सेहो ओतबे जिम्मेदार छी.
जे होइ बिहार में चौतरफा विकासक बयार चलि पड़ल अछि. सभ तरहक काज भs रहल अछि. नैशनल हाइवे पर सेहो काज भs अछि. एहि सभ काज के पूरा होय... एकर असर दिखय में अखन वक्त लागत... मुदा कदम बढ़ि चुकल अछि. एकरा सतत रूप सं आगां बढ़ावैत रहय के जरूरत अछि. हमरा सभ क सेहो चाहि जे एहि नीक काज के बेसि सं बेसि प्रचार प्रसार भS सकय जाहि सं लोक के सेहो प्रेरणा मिलय. आओर दोसर लोक सेहो नीक काज करल लेल आगां आबथिन्ह. एकटा गप्प आओर जे बिहार सं बाहर रहय वाला लोक सभ सेहो किछ नहि किछ विकास में योगदान जरूर करय जयथुन्ह. अगर ओ अपन कमाई के सौ रूपया में सं एकोटा रुपया बिहार के विकास के लेल देथिन्ह त बिहार पंजाब सं आगां चलि जाएत. तs आगां बढुं अपन मिथिला...अपन बिहार के लेल किछ करुं.

Comments

  1. अपने सभन के बिहार में रखकर कि करबै। जाये दियौ सभन के पंजाब।

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...