झंझारपुर में कमला बलान पर बनल रेल -सड़क पुल के हालत एकदम खस्ता भs गेल छै. एहि ठाम अक्सर कोनो न कोनो दुर्घटना होएते रहैत अछि. एकहिं संग दुनु पुल होय के कारण एहिठाम लोक के सदिखन जाम सेहो मिलैत छै. पुल पर रेल लाइन के दुनु बगल... पटरी के दुनु कात आओर बीच में लकड़ी के पटरा सभ जे कील सं ठोकल छै ओकर कील आब निकलि गेल छै. कील के ढीला भs गेला सं पटरा के एक तरफ लात पड़त त पटरा दोसर तरफ उठि जाएत. ऐना में कई बेर एहन होय छै जे मोटर साइकिल... साइकिल के चक्का पटरा के एकटा छोर सं पार भेर कि दोसर छोर उठि गेल..झुला टाइप सं. एहि सं दुर्घटना सेहो भ जाए छै. गाड़ी के बैलेंस एकदमे सं गड़बड़ा जाइ छै. कई ठाम त बड़का बड़का फांक भ गेल छै. एहि फांक सभ में कोनो गाड़ी फंसि गेल त फेर कल्याणे बुझु. लोक के सभ काम काज सेहो फंसि जाइत अछि. पुल के पाया सभ सेहो कमजोर जका लगैत अछि. एकरा पर ध्यान देबय के जरूरत अछि. जिनका पता छनि वो गाड़ी चलाबय वाला लोक सभ एहिठाम संभलि क चलैत छथि मुदा कइटा नवका लोक एहि ठाम फंसि जाइत छथि. एहि ठाम कोनो गाड़ी फंसल कि समझु बड़का जाम लागल. जाम सं कइ बे...
हेलो मिथिला - मिथिलाक गप मैथिली मे