नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

Time table- गर्मी छुट्टी लेल स्पेशल ट्रेन

गर्मी छुट्टी आओर लगन के समय बिहारक सभ ट्रेनक सीट भऱल अछि. कोनो ट्रेनक टिकट नहि मिलि रहल अछि. एहन मे लोक के परेशानी के देखैत किछ स्पेशल ट्रेल चलाएल जा रहल अछि.

बरेली सं दरभंगा के बीच वीकली ट्रेन 04314/04313 चलाएल जा रहल अछि. ई ट्रेन बरेली सं बुध दिन 07.05 पर खुलत जखन कि दरभंगा सं बरेली के लेल गुरुवार के 10.30 बजे खुलत.

दोसर ट्रेन अमृतसर सं बरौनी के बीच चलि रहल अछि. अमृतसर सं ई ट्रेन
04602 रवि दिन 12.35 मे खुलत जखन कि बरौनी सं ई ट्रेन 04601 सोम दिन 19.15 बजे खुलत. ई पूरा ट्रेन जनरल डिब्बा वाला अछि एहि मे रिजर्वेशन के जरूरत नहि पड़त.

एहिना दिल्ली सं पटना के लेल सेहो ट्रेन शुरू कएल गेल अछि. दिल्ली जंक्शन सं ई ट्रेन 04022 गुरुवार आओर रविदिन 13.20 बजे खुलत आओर पटना सं 04021 नंबर के स्पेशल ट्रेन शुक्र आओर सोमदिन 14.10 बजे खुलत.

नई दिल्ली सं दरभंगा लेल सेहो हफ्ता मे दू दिन वाला एकटा ट्रेन शुरू कएल गेल अछि. नई दिल्ली सं 04026 ट्रेन बुध आओर शनि दिन 18.05 बजे खुलत जखन कि दरभंगा सं 04025 गुरुवार आओर रविदिन 19.35 बजे खुलत. ई पूरा ट्रेन जनरल डिब्बा वाला अछि एहि मे रिजर्वेशन के जरूरत नहि पड़त.

दिल्ली के सराय रोहिल्ला सं सेहो दरभंगा के लेल एकटा ट्रेन अछि. 04024 नंबर के ट्रेन सराय रोहिल्ला सं सोम आओर शुक्र दिन 10.30 बजे खुलक जखन कि दरभंगा सं ई ट्रेन 04023 मंगल आओर शनि दिन 15.00 बजे खुलत. एहि ट्रेन मे स्लीपर बोगी सेहो रहत.

हरिद्वार आओर मुजफ्फरपुर के बीच सेहो स्पेशल ट्रेन चलत. हरिद्वार सं 04315 ट्रेन सोम आओर गुरुवार के 15.15 बजे खुलत एहिना मुजफ्फरपुर सं 04316 ट्रेन मंगल आओर शुक्रदिन 16.30 बजे रवाना होएत.

एहिना ट्रेन नंबर 05101 छपरा सं रविदिन 16.00 बजे दिल्ली के लेल खुलत आओर दिल्ली सं 05102 ट्रेन सोमदिन 14.15 बजे खुलत.

लोकमान्य तिलक टर्मिनल 01057 नंबर के ट्रेन 14.30 बजे बुधदिन मुजफ्फरपुर लेल खुलत आओर मुजफ्फरपुर सं लोकमान्य तिलक टर्मिनल लेल 01058 ट्रेन 18.30 बजे शुक्रदिन खुलत.


लोकमान्य तिलक टर्मिनल सं 01049 ट्रेन मंगल दिन दरभंगा लेल 13.20 बजे खुलत आओर दरभंगा सं लोकमान्य तिलक टर्मिनल के लेल 01050 नंबर ट्रेन गुरुवार के 13.00 बजे खुलत.

बरौनी सं एकटा ट्रेन 05285 बुध आओर रविदिन अजमेर लेल 07.10 बजे खुलत जखन कि अजमेर सं बरौनी लेल 05286 ट्रेन शुक्र आओर मंगल दिन 01.00 बजे खुलत.

नई दिल्ली सं पटना लेल एकटा एसी स्पेशल ट्रेन 04040 नंबर के 28 मई तक 14.35 बजे खुलत जखन कि पटना सं 04039 नंबरक ट्रेन 29 मई तक 12.15 बजे खुलत.

एहिना एकटा ट्रेन 05288 दिल्ली के आनंद विहार टर्मिनल सं दरभंगा लेल 19.30 बजे मंगल आओर शुक्र दिन खुलत. जखन कि दरभंगा सं 05287 ट्रेन आनंद विहार टर्मिनल लेल 15.00 बजे सोम आओर गुरुवार दिन खुलत.

दिल्ली मतलब पुरानी दिल्ली स्टेशन होएत अछि. जेहि टिकट मे नई दिल्ली लिखत रहत ओ नई दिल्ली स्टेशन सं खुलत.

स्टेशन पहुंचय सं पहिने अहां ट्रेनक पता...टाइम टेबल के अपन स्टेशन सं पता जरूर करि लेल. स्पेशल ट्रेन किछ खास दिन के लेल चलैत अछि आओर टाइम आगां-पाछां करि देल जाएत अछि. एहि लेल टाइम...गाड़ी के बारे मे पता जरूर लगा लेल. 139 पर फोन करि सेहो पचा लगा सकय छी.

अहां सभ के शुभ यात्रा.




कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु