नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आतंकी गढ़ बनल जा रहल अछि मिथिला


आईबी आओर खुफिया एजेंसी के मुताबिक उत्तरी बिहार के मिथिलांचल इलाका आतंकी अड्डा बनल जा रहल अछि. ई बात बिहार आओर मिथिलाक लेल एकटा बड़का सिरदर्द अछि.

देश मे भेल कइटा आतंकी वारदात मे मिथिलाक लिंक पाएल गेल अछि. पिछला पांच-छह साल मे कइटा आतंकवादी मिथिला सं पकड़ल गेल अछि. दोसर ठाम पकड़ल गेल कइटा आतंकी के लिंक सेहो मिथिला सं जुड़ल मिलल अछि.

नेपाल...बांग्लादेश से जुड़ल बॉर्डर इलाका

आतंकी सभ के लेल सुरक्षित पनाहगार बनल जा रहल अछि.

देश भर मे कतहुं आतंकी वारदात करि बिहार आबि...बिहार सं नेपाल आओर बांग्लादेश भ बाहर निकलय लेल नीक रहैत अछि. एहि लेल इंडियन मुजाहिद्दीन आओर दोसर आतंकी संगठन मिथिला मे अपन पकड़ मजबूत बना रहल अछि.

आतंक संगठन एकरा लेल खास समुदाय के युवक के ब्रेनबाश करि...बहला-फुसला कs… गलत तरीका सं भड़का कs अपना संग जोड़ैत अछि. धर्म के नाम पर...जेहाद के नाम पर गलत काज कराबैत अछि.

खुफिया एजेंसी के अनुसार देश भर मे पकड़ल गेल कइटा आतंकी के जे फर्जी पासपोर्ट पकड़ल गेल अछि ओकर पता बिहार के मिलल अछि. ई पता ओहिना तं नहि देल गेल अछि. इलाका के लोक से मिल क देल गेल अछि. आओर इलाका के लोक के मार्फत सं मिलि क बनाएल गेल अछि.

आतंकी सभ अखन पूरा उत्तर बिहार...मिथिलाक इलाका पर अपन तंत्र मजबूत करय पर लागल अछि. एहि मे चंपारण... मुजफ्फरपुर... दरभंगा... मधुबनी... सीतामढ़ी... पूर्णिया... अररिया... सहरसा आओर दोसर बॉर्डर इलाका मे लोक सभ के जोड़ि रहल अछि.

ई इलाका ओहिना पहिने सं स्मगलिंग के लेल बदनाम रहल अछि. आम सामान ने तस्करी मे ओना त कमी आएल अछि. मुदा आब हवाला आओर दोसर तरहक तस्करी बढ़ल अछि.

कहल जा रहल अछि जे आईएसआई अपन नेटवर्क काफी मजबूत करि लेने अछि. नेपाल..बांग्लादेश के खुलल बॉर्डर आओर भारतीय सुरक्षा मे कमी के फायदा उठा रहल अछि.

एकटा बात काफी चौंकाबय वाला अछि जे आतंकी सभ अपना संग सिर्फ कम पढ़ल लिखल लोक के नहि जोड़ि रहल अछि बल्कि पढ़ल लिखल लोक के सेहो जोड़ि रहल अछि.

एहि मे डॉक्टर... इंजीनियर आओर बाहर जाsक पढ़य वाला लड़का सभ सेहो शामिल अछि. एहन युवक सभ के मन मे कट्टरता भरल जा रहल अछि. ई देश के लेल बड़ खतरनाक गप अछि.

बिहार पुलिस प्रमुख के होम मिनिस्ट्री के तरफ सं एहि बारे मे जानकारी सेहो भेजल गेल. होम मिनिस्ट्री क भेजल रिपोर्ट मे आईबी के साफ कहनाय अछि जे नेपाल सं लागल इलाका मे आतंकी संगठन युवक सभ मे अपन पैठ बना रहल अछि आओर ट्रेनिंग द रहल अछि.

आतंकी सभ नव-नव इलाका के तलाश करि रहल अछि. ओहि हिसाब सं मिथिलाक ई इलाका सभ सं नीक मानल जा रहल अछि आतंकी गतिविधि के शांति सं चलाबय लेल.

मिथिलाक बॉर्डर इलाका मे बताएल जा रहल अछि जे पिछला 15-20 साल मे मस्जिद-मदरसा के संख्या 10 गुना सं बेसि बढ़ि गेल अछि. आईएम... आओर आईएसआई एकर मार्फत युवक सभ के जेहाद लेल भड़का रहल अछि.

कहल तं इहो ज रहल अछि जे नेपाल आओर अरब कंट्री के जरिए आईएसआई एहि इलाका मे काफी पैसा भेज रहल अछि. एहि इलाका मे बनि रहल बड़का-बड़का मस्जिद मदरसा के लेल अरब से पाई आबि रहल अछि.

एकटा गप सेहो चिंताक विषय अछि जे मिथिलाक...बिहारक बॉर्डर इलाका के पढ़ल- लिखल लोक सभ आओर आम लोक जे कमाए-खाए लेल बिहार सं बाहर जा रहल छथिन्ह हुनकर जमीन खास समुदाय के लोक भारी संख्या मे खरीद रहल अछि.

विदेश सं आएल पाई के निवेश जमीन...खेत-खलिहान...गाछी मे भ रहल अछि. इलाका के ब्राह्मण... कायस्थ... भूमिहार... दोसर जातिक लोक सभ नौकरी के सिलसिला मे गाम छोड़ि रहल छथिन्ह. 

एहन गाम छोड़य वाला लोक सभ के जमीन पर असामाजिक गतिविधि चलाबय वाला लोक के नजर अछि आओर ओ जमीन जथा खरीद सेहो रहल छथिन्ह. एहि पर गौर करय के जरूरत अछि.

बिहार...मिथिलाक ई इलाका देश केर सभ सं शांत इलाका मानल जाएत अछि. एतय केर बोलि मैथिली सभ सं मीठ मानल जाएत अछि. एहन मिथिलाक पर आतंकी के नजर पड़ि गेल अछि.

ई बड़ खतरनाक . ई इलाका के शांति... सद्भाव... सुरक्षा के लेल नीक नहि अछि. अपन मिथिलाक गौरव के नष्ट होए सं बचाबय लेल अहां सभ के आगां आबय पड़त.

इलाका मे कतहुं कोनो किछ अजगुत होएत देखिऔ... कोनो एहन गतिविधि देखाय जेहि पर अहां के शक होए... तुंरत पुलिस...खुफिया एजेंसी के ओकर जानकारी दिऔ.

नकली नोट के कारोबार करय वाला होए... तस्करी करय वाला होए... हथियार आओर गैरकानूनी लेनदेन करय वाला होए...गलत काज करय वाला होए... ओकरा खिलाफ तुरंत पुलिस के बताबिऔ.

नहि तं एक दिन एहनो आबि सकैत अछि जे अपन बिहार...मिथिला सेहो आतंकी... नक्सली... माओवादी के गिरफ्त मे आबि जाएत. अपना सभ के रहनाय मुश्किल भ जाएत.

उठु अपन मिथिलाके गलत लोक के गिरफ्त मे जाए सं बचाउ.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु