नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आशुतोष अस्थाना जीके मदद करिऔ...


आशुतोष अस्थाना जीके अहांक मदद केर जरूरत छनि. 37 साल के आशुतोष अस्थाना जी साल भर से बीमार छथिन्ह.

हिनकर किडनी खराब भ गेल छनि.

आशुतोष जी बिहार बिजली विभाग मे लिपिक छथिन्ह. मुदा बीमार होए के कारण कई मास सं नौकरी पर नहि जाए सं वेतन सेहो नहि मिल रहल छनि.

बेर-बेर बीमारी के टेस्ट कराबय... डायलिसिस पर रहय... दवाई आओर
इलाज पर लाखो टका खर्च करि चुकल छथिन्ह.

गरीब घर सं होए के कारण जमा-पूंजी तं खर्च भए गेल छनि...कर्ज मे सेहो आबि गेल छथिन्ह.

सरकार सं से किछ मदद नहि मिल रहल छनि. एहि कारणे परेशान छथिन्ह.
परिवार मे पत्नी आओर एकटा सात सालक बेटी छनि.

आशुतोष जी मूलरूप सं उत्तर प्रदेश के जौनपुर जिलाक मखमिलपुर गाम के रहय वाला छथिन्ह.

हिनकर इलाज लखनऊ के पीजीआई अस्पताल मे डॉ अमित गुप्ता जीक देखरेख मे चलि रहल छनि.

डॉक्टर के कहनाय छनि जे हिनकर हालत गंभीर भ गेल छनि. किडनी जल्द बदलनाय जरूरी अछि.

हिनका लखनऊ के पीजीआई अस्पताल मे भर्ती करि लेल गेल छनि.

हिनकर खराब हालत के देखैत हिनकर पत्नी हिनका अपन किडनी द रहल छथिन्ह.

किडनी ट्रांसप्लांट करय लेल आशुतोष जी आओर हिनकर पत्नी दूनु के ऑपरेशन होएत.

उम्मीद छनि जे डॉक्टर हिनकर किडनी मंगल दिन बदलि देथिन्ह.

पत्नी के किडनी दए के बादहुं अस्पताल हिनका साढ़े चारि लाख रुपया जमा कराबय लेल कहलक अछि.

एकर अलावा दोसर खर्च लगा क कुल छह लाख सं बेसि टका के जरूरत पड़ि रहल अछि.

एकटा गरीब के लेल पांच-छह लाख रुपया कतेक होएत अछि... से तं अहां जानिते छी.

दोस्त...जान पहचान...रिश्तेदार सभ मिल क पाई जमा करि रहल छथिन्ह... तखनो एतेक पाई के जोगाड़ नहि भ रहल अछि.

पांच-छह लाख के इंतजाम करनाय मुश्किल भ रहल छनि. आशुतोष जीक लेल.
एहन हाल मे अगर हम-अहां सभ आशुतोष जीक किछ मदद करबैन्हि तं हिनकर जिनगी बचि सकय छनि.

अपना सभ अगर सय...हजार...दस हजार केर मदद करबैन्हि तं हिनकर एकटा बड़का चिंता दूर भ सकय छनि.

हम किछए लोग अगर किछिए-किछ मदद करब ओ लाख टका सं बेसि भ जाएत.

बुंदे...बुंद तालाब भरैत अछि...तेहने एक-एक टके हिनकर जिगनी बचि सकय छनि.

अगर अहां एहि परोपकारक काज मे सहभागी बनय चाहय छी तं आशुतोष जीक बैंक मे अपना शक्ति भरि पाई जमा करा सकय छी.

हिनकर बैंक खाता ओना तं पटना के एचडीएफसी बैंक मे छनि मुदा अहां दुनिया के कोनो कोना सं...कोनो बैंक सं हिनका खाता मे पाई जमा करा सकय छी.

हिनकर एकाउंट नंबर छनि-
HDFC bank a/c no- 01861000076234 

आशुतोष जी ओन अखन तं लखनऊ के पीजीआई अस्पताल मे भर्ती छथिन्ह मुदा हुनकर पटनाक पता छनि-
C/o- Shri PP Sinha,B-2, Gardanibagh, Patna
Mobile no - 087972-66235

अहां लखनऊ मे हिनकर परिवार सं सेहो मिल सकय छी.
आशुतोष जी अखन लखनऊ के पीजीआई अस्पताल मे भर्ती छथिन्ह.
पीजीआई मे डॉक्टर अमित गुप्ता हिनकर इलाज करि रहल छथिन्ह.

देखिऔ किछ मदद भ सकय तं जरूर करिऔ.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु