नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मोबाइल सं रेल टिकट

आई नेट पर घुमैत-घुमैत एकटा साइट पर नजर पड़ल. ई साइट अछि ngpay . पहिल नजर देखय मे बड़ नीक लागल. तुरंत अपन मोबाइल पर एकरा डाउनलोड सेहो क लेलौं. आब सर्विस देखला पर पता चलत जे केहन अछि. मुदा ई IRCTC सं जुड़ल अछि तैं नीक होबाक चाही.

एहि साइट सं अहां कई तरहक सेवा के फायदा उठा सकय छी. सामान खरीद सकय छी... गिफ्ट भेज सकय छी... रेल... हवाई जहाज के टिकट
खरीद सकय छी. रिजर्वेशन करा सकय छी... पीएनआर नंबर चेक करि सकय छी.

किताब...मैगजीन सं लsक कई तरहक सेवा के फायदा उठा सकय छी. पैसा के भुगतान वीजा... मास्टरकार्ड... आईटीजेड कार्ड... डेबिट/एटीएम/ कैश कार्ड संग दोसर कई तरह सं करि सकय छी. साइट के तं कहनाय अछि जे एहि मे भुगतान एटीएम कार्ड सं बेसि भरोस लायक अछि.

ओना अखन हम सिर्फ डाउनलोड करलौं अ... सर्विस के कोनो फायदा नहि उठयलौं. बस भरोस के बात एतबा जे IRCTC मोबाइल सं रेल टिकट सेवा देबय के लेल एकरा संग करार... गठबंधन करने अछि.

एहि के बारे मे आओर जानय लेल अहां एकर साइट ngpay आओर irctc पर जा सकय छी. Customer Care नंबर 080-67004000. आओर 011- 23344787 पर सम्पर्क करि सकय छी. एहि सेवा के इस्तेमाल करय वाला अपन दोस्त सं पूछि सेहो सकय छी.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु