नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

पाचिम चरण केर वोटिंग

बिहार  विधान सभा चुनाव के पाचिम चरण मे  9 नवंबर के 35 सीट पर करीब 50% वोट पड़ल . एहि चरण मे 490 उम्मीदवार ठाड़ छथिन्ह. 

नक्सल प्रभावित इलाका होए के कारण सुरक्षा केर विशेष इंतजाम कएल गेल छल. तकरीबन हर बूथ पर सुरक्षा बल तैनात छल. हेलीकॉप्टर सं सेहो निगरानी कएल गेल


एहि दौर मे 44टा महिला उम्मीदवार सेहो छथीह. एहि चरण मे पटना...गया... शेखपुरा... नालंदा... भोजपुर... अरवल... जहानाबाद आओर नवादा जिला मे वोट पड़ल.

एहि चरण मे नीतीश सरकार के कइटा मंत्री के किस्मत दांव पर छनि. जेहि मे डा. प्रेम कुमार... हरिनारायण सिंह... भगवान सिंह कुशवाहा... अनिल कुमार शामिल छथिन्ह. हिनका संग जदयू के मुख्य सचेतक श्रवण कुमार...पूर्व मंत्री श्याम रजक  के भाग्य सेहो ईवीएम मे बंद भ गेल.


अखन धरि पांच चरण के चुनाव भ चुकल अछि. एहि के बाद 20 नवंबर के चुनाव बाकी रहल. सभ सीटक मतगणना 24 नवंबर के होएत.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु