नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

ई सबटा मैथिल कहैया



ई सबटा मैथिल कहैया
दुनिया कहैया बिहार बर पाछू ,
नेता कहैया आब कतेक जागू,
केंद्र कहैया की- की सब देखू ,
बिहारी कहैया कतय के भागु ,
हम नै , ई सबटा मैथिल कहैया----

साइंस कहैया आब कतेक खोजू ,
शिक्षा कहैया आब कतेक जागू ,
विद्यार्थी कहैया आब कते पढू ,
सौभाग्य मिथिला कहैया कते देखाबू ,
बिहारी कहैया कतेक आब सुतू ,
हम नै , ई सबटा मैथिल कहैया----

दिल्ली कहैया कतेक क राखू ,
बम्बई कहैया कतेक क भगाबू ,
अमेरिका कहैया कतेक वीजा बनाबू ,
लन्दन कहैया कते और अपनाबू ,
बिहारी कहैया कतय घर बसाबू
हम नै , ई सबटा मैथिल कहैया----

कमला कहैया आब कतेक रूकु ,
कोसी कहैया आब कतेक देखू ,
गंडक कहैया किम्हर के बहु ,
नहर कहैया कते आब पटाबू ,
बिहारी कहैया की सबहक़ जल पिबू ,
हम नै , ई सबटा मैथिल कहैया----

कर्म कहैया कतेक बचाबू ,
धर्म कहैया कतेक निभाबू ,
शरम कहैया कतेक छिपा बू ,
मृत्यु कहैया कते बेर जिबू ,
बिहारी कहैया कते दुःख सहू
हम नै , ई सबटा मैथिल कहैया----

शराबी कहैया कते आब पिबू ,

किसान कहैया कते बेशाहा लगाबू ,
पंडित कहैया कते दान कराबू ,
मोन कहैया कते आब कानू ?
बिहारी कहैया कते दुःख सहू ,
हम नै , ई सबटा मैथिल कहैया----

रेलगाड़ी कहैया कते आब चलू ,
रिजर्ववेशन कहैया कतेक आब करू
प्लेन कहैया कतेक आब ऊरू ,
संसाधन कहैया कते नियम लगाबू
बिहारी कहैया कथि से चलू
हम नै , ई सबटा मैथिल कहैया----


मदन कुमार ठाकुर
पट्टीटोल , भैरव स्थान ,
झंझारपुर , मधुबनी ,
बिहार -८४७४०४
मो -०९३१२४६०१५०

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु