नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सूखाग्रस्त इलाका मे बाढ़ि

बिहार के सूखाग्रस्त घोषित 26टा जिला मे से एक अछि सीतामढ़ी.  किछ दिन पहिने एहिठाम एकटा तटबंध टूटला सं बाढ़ि आबि गेल छल.  कइटा गाम पानि मे डूबि गेल छल.  मुख्यमंत्री नीतीश कुमार दौरा सेहो कएने छलखिन्ह.  हजारों लोक के बांध पर शरण लेबे पड़ल छलन्हि.  ओहने हालत जिला मे एक बेर फेर सं भs गेल अछि.  नेपाल मे एकटा बांध टूटला सं सूरसंड मे फेर बाढ़ि आबि गेल अछि.  राष्ट्रीय राजमार्ग पर डाड़ भरि पानि अछि.  कइटा गाम मे पानि घुसि गेल अछि.  लोक सभ परेशान छथिन्ह. जिला मुख्यालय अनाय-जनाय सेहो मुश्किल भ गेल अछि.  लोक सभ राहत के इंतजार करि रहल छथिन्ह.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु