नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

पटना भेल पॉलीवुड Patna Bhel Pollywood

भोजपुरी मे महुआ टीवी चैनल अएला के बाद एकाएक भोजपुरी फिल्म आओर टीवी बाजार गरमा गेल अछि. लोकक मन देखि कइटा चैनल मैदान मे कूदय लेल तैयार अछि. एहि मे न्यूज़ चैनल सं लs क मनोरंजन आ म्यूजिक चैनल तक लाइन मे अछि. आब जखन एतेक तैयारी भs रहल अछि त एहि चैनल सभ के चौबीसों घंटा केर समय भरय लेल कार्यक्रम के सेहो जरूरत अछि. ओहि जरूरत के पूरा करय के लेल कएटा प्रोडक्शन हाउस सेहो आगां आबि गेल अछि. टीवी... फिल्म सं जुड़ल कइटा लोक सभ सक्रिय भs गेलाह . ओ छोट- बड़ सीरियल... टॉक शो... नाच गाना... रियलिटी शो बनाबय मे जुटि गेलाह अ. भोजपुरी कैसेट सभ निकलय के काज मे सेहो तेजी आएल अछि. ई सभ जे भs रहल अछि ओकरा नीक कहल जा सकय अ. लोक के नीक काज मिलि रहल अछि. जे लोक बैसल छलाह फेर सं काज मे जुटि गेलाह अछि. स्थानीय कलाकार सभ के सेहो रोजगार मिलय लागल अछि.
एतबा नहिं पटना मे भोजपुरी फिल्म... सीरियल निर्माण सं जुड़ल गतिविधि बढ़ी गेल अछि. पटना... पॉलीवुड... फिल्म निर्माण के केन्द्र बनि रहल अछि. फिल्म मे पाई लगाबय वाला लोक सभ सेहो आगा अएला अछि. फाइनेंसर सेहो बढ़ला ह. महिन्द्रा एंड महिन्द्रा के इंटरटेनमेंट सेक्शन मुम्बई मंत्रा... यशी फिल्मस के संग मिलि के पांच टा फिल्म बना रहल अछि. पांचु फिल्म के निर्माण अभय सिन्हा जी करथिन्ह. एकरा लेल मुम्बई मंत्रा आओर यशी फिल्मस के बीच करार सेहो भेल. एहि तरहे कहि सकय छी जे मुम्बई मंत्रा पॉलीवुड के फाइनेंस करय वाला पहिल कंपनी बनि गेल अछि.
ई सभ बिहारक लेल नीक संकेत अछि. एकटा बदलाव कतेक बदलाव के अपना संग लाबैत अछि. सभ किछ बदैलि रहल अछि. काज भ रहल अछि. आ एहिना काज होएत रहल त बिहार आगां जरूर बढ़त. जरूरत मैथिली मे सेहो एक दु टा चैनल आबय के अछि. एना भेलाह पर बाजार के नजर एहिठाम पड़त आ जतए बाजारक नजर पड़ैत अछि ओकर विकास तेजी सं होएत अछि. लोक के काज मिलय लगैत अछि. आमदनी बढैत अछि. देश- दुनिया मे नीक छवि बनैत अछि. त अहां सभ सेहो कोशिश करु जे कोई गोटा मैथिली मे चैनल लाबय लेल सेहो आगां बढ़ता आओर मिथिलाक तस्वीर बदलताह.

1 टिप्पणी:

  1. ई बदलाव जरूरी अछि. जेना आन जगहक लोक बिहारी जनताक दुत्कारैत अछि. ई देखके बिहारी लोक सब अपन स्वाभिमान जगाव आउर कूइद पड़ू बिहार के नवनिर्माण में. जे जहां जई रूप में अछि, उ उहै रूप में काम करू बस बिहार आउर बिहार के बेहतरी खातिर. राज्य के बेहतरी हाइत का भारत के बेहतरी सेहो होइत.
    जहां मिलू कहू जय बिहारी.

    वाल्मिकी ने रची रामायण लवकुश को जाने संसार
    ये है मरा बिहार ये मेरा बिहार.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु