नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मधुबनी में एकादश रुद्र महादेव मंदिर

ग्यारह शिवलिंग वाला मंदिर. अचरच में पड़ि गेलहुं न... मुदा एहि के लेल बेसि दूर जाइ नहिं पड़त. ग्यारह शिवलिंग के दर्शन करय लेल अहां के बेसि मेहनत नहिं करय पड़त. मधुबनी सं तीन किलोमीटर दूर मंगरौन गांव में अहां एकहि संग ग्यारह शिवलिंग के दर्शन कs सकय छी. ग्यारह शिवलिंग वाला इ एकटा इकलौता मंदिर अछि. एहिठाम एकहिं संग भगवान महादेव के अलग -अलग रूप के दर्शन कएल जाइत अछि. तांत्रिक मुनेश्वर झा 1958 में एहिठाम एहि एकादश रूद्र महादेव मंदिर के बनौने छलाह. कहल जाइ छै जे सोम दिन एहि ग्यारह शिवलिंग के दर्शन मात्र सं सभ कष्ट आओर रोग दूर भs जाइत अछि. अपन कष्ट सं मुक्ति के लेल एहिठाम दूर-दूर सं लोक सभ आबैत छथिन्ह. इहो कहल जाइत अछि जे एहिठाम सय बेर ऊं नम: शिवाय, ऊं एकादश रुद्राय मंत्र के जाप कएला पर बारह सय जाप के लाभ मिलय छै.
मंदिर के प्रागण में दायां कात ग्रेनाइट आओर अष्टधातु केर बनल राधाश्याम मंदिर छै जहि में अहां विष्णु भगवान के दशावतार रूप के दर्शन कए सकय छी.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु