नीतीश जीक बात पर जेटली जीक मुहर- दरभंगा सं जल्दी शुरू होएत हवाई सेवा

बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक बात पर केंद्रीय वित्त मंत्री अरुण जेटली जी अपन मुहर लगा देलखिन्ह। पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी जीक जन्मदिन 25 दिसंबर के दिल्ली मे आयोजित अटल-मिथिला सम्मान कार्यक्रम मे जेटली जी कहलखिन्ह जे दरभंगा मे एयरपोर्ट बनाबय
लेल जल्दीए काज शुरू होएत। जेटली जी एक दिन पहिनहि अखिल भारतीय मिथिला संघ कार्यक्रम मे नीतीश जीक भाषण के जिक्र सेहो करलखिन्ह। ओ कहलखिन्ह जे मिथिलाक विकास लेल एहि क्षेत्र के देश के हर क्षेत्र सं जोड़नाय जरूरी अछि। एकरे संग ओ मिथिला आ मैथिली भाषा लेल अटल जीक योगदान के सेहो याद करलखिन्ह।

एहि अवसर पर मिथिला-बिहार सं जुड़ल कइटा विभूति के अटल मिथिला सम्मान सं सम्मानित कएल गेलन्हि। एहि मे गायक उदित नारायण जीक पुत्र आदित्य नारायण आओर पंजाबी सुफी गायक हंस राज हंस सेहो शामिल छथिन्ह। उदित नारायण जीके पिछला साल एहि सम्मान सं सम्मानित कएल गेल छलन्हि। कार्यक्रम मे हंस राज हंस, उदित नारायण, दीपा नारायण आओर आदित्य नारायण अपन गीत सं लोक सभ के झूमय लेल मजबूर क देलखिन्ह। एहि कार्यक्रम के आयोजन हिंद पोस्ट मीडिया के तरफ सं कएल गेल छल। एकर कर्ताधर्ता प्रदीप झा जी छथिन्ह।

एहि कार्यक्रम मे अरुण जेटली जीक संग सांसद प्रभात झा जी, बिहार सरकार के मंत्री विनोद नारायण झा जी, जेडीयू नेता संजय झा जी सेहो मौजूद छलाह। देखु फोटो-









Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

कुंद नहि होबाक चाही रचनाधर्मिता केर धार- रविन्द्र नाथ ठाकुर

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

दरभंगा सं मरीज के लेल हवाई सेवा

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

Photos: बिहार महोत्सव दिल्ली पार्ट 2