Photos: विराटनगर मे अंतर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन

नेपाल के विराटनगर मे शनिदिन 11 अप्रैल के अंतर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन के आयोजन कएल गेल. अंतर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन के आयोजन ठाकुरबाड़ी रोड पर रामजानकी सेवा सदन के रजत सभागार मे भेल.

एहि अंतर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन मे भारत, नेपाल, दुबई, सउदी अरब आ कतर के मैथिली कवि शामिल भेलाह.

अंतर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन के आयोजन
दहेज मुक्त मिथिला के तरफ सं कएल गेल. कार्यक्रम के संयोजक छलखिन्ह प्रवीण नारायण चौधरी जी.

अंतर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन मे गीतकार सियाराम झा सरस, रमेश रंजन, डॉ बूचरू पासवान, डॉ मंजर सुलेमान, प्रो उदय शंकर मिश्र, चंद्र मोहन झा, राम कुमार झा, मणिकांत झा, राम चैतन्य धीरज जी शामिल भेलाह.

एहि अंतर्राष्ट्रीय मैथिलि कवि सम्मलेन मे कविता पाठ करय वाला मे अरविन्द मिश्र नीरज, मनोज शांडिल्य, सुश्री रश्मि,
मणिकांत झा, श्वाति शाकंभरी, अभिमन्यु खान किंशुक, चिन्मय एन सिंह जी शामिल छथिन्ह.

कार्यक्रमक शुरुआत दीप प्रज्वलन सं भेल. दीप प्रज्वलित करखिन्ह रमेश रंजन, धीरेंद्र प्रेमर्षि, श्रीमती करुणा झा आ सुभाषचंद्र झा जी.

एहि पहिल अंतर्राष्ट्रीय मैथिलि कवि सम्मलेन मे पवन जीक संगीत मंडली के ओर से संगीत संध्या कs आयोजन सेहो भेल.

अंतर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मलेन मे सहरसा के पत्रकार सुभाषचंद्र झा, कन्हैया जी आ कुमार आशीष जी के सम्मानित सेहो कएल गेलन्हि. हिनका सभ के सम्मानित कएलखिन्ह विराटनगर मे भारतीय दूतावास कार्यालयक प्रशासनिक अधिकारी पीके चमालिया जी.

एहि अवसर पर मैथिली जिंदाबाद डॉट कॉम नाम सं एकटा वेबसाइटक शुभारम्भ सेहो भेल.

समोराह मे अमर नाथ झा, संजीव सिन्हा आ गिरिन्द्र नाथ झाजी सेहो अपन विचार राखलखिन्ह. एहि कार्यक्रम के लेल प्रवीण जीके जतेक प्रशंसा कएल जाए कम होएत. ओ बड़ नीक काज करि रहल छथिन्ह. एहन कार्यक्रम बेर-बेर होबाक चाही.

देखु समारोहक किछ फोटो-















 






















( फोटो क्रेडिट- अमर नाथ झा, संजीव सिन्हा, किसलय कृष्ण आ अमित आनंदजी )

Comments

Popular posts from this blog

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

किछ हरायल शब्द

पूर्णिया मे सुखोई

हमर विआह-10

हमर विआह -1 (पहिल कड़ी)

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

राग-विराग

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

हमर विआह- 8