सुबोध गुप्ता के दयावती मोदी पुरस्कार

कलाकार सुबोध गुप्ता के साल 2014 के कला, संस्कृति और शिक्षा क्षेत्र के दयावती मोदी पुरस्कार सं सम्मनित कएल गेलन्हि.

दयावती मोदी फाउंडेशन के तरफ सं हुनका 2 लाख 51 हजार रुपया नकद, एकटा रजत शील्ड आ एकटा प्रमाणपत्र देल गेलन्हि.

विज्ञान आओर आईटी मंत्री डॉ हर्षवर्धन दिल्ली मे
सुबोध गुप्ता जीके ई सम्मान देलखिन्ह.

फाउंडेशन के प्रति आभार जताबैत सुबोध गुप्ता कहलखिन्ह पुरस्कार हमेशा कलाकार के सर्जनात्मकता के बढ़ावा दैत अछि किएक तं कलात्माकता के लेल काफी प्रयास के जरूरत होएत अछि. एहि पुरस्कार के मिलला पर खुद के सम्मानित महसूस करि रहल छी किएक तं दलाई लामा आओर आओर मदर टेरेसा के ई सम्मान मिल चुकल अछि.

सुबोध गुप्ता जीक जन्म बिहार के खगौल मे 1964 मे भेल छलन्हि. पटना के कॉलेज ऑफ आर्ट सं पढ़ाई क दिल्ली आबि गेलखिन्ह. आब दिल्लीए मे रहय छथिन्ह.

Comments

Popular posts from this blog

फेर अगुआ बनत बिहार

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

अहाँ मैथिली बजै छी की ?

मोन मिथिले मे अछि...

हमर विआह- 8

कि इहे सभागाछी अछि ?

दरभंगा मे मिथिला थीम पार्क

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

दिल्ली मे सामा चकेवा

सीएम नीतीश के नाम मनियारी पंचायत केर मुखिया के पत्र