नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दिल्ली मे श्रीकृष्ण सिंह जीक जयंती समारोह

बिहार के पहिल मुख्यमंत्री श्रीकृष्ण सिंह जीक 127म जयंती समारोह दिल्ली मे भs रहल अछि.

बिहार केसरी श्रीकृष्ण सिंह जीक एहि जयंती समारोह के आयोजन 21 तारीख के दिल्ली मे दिन के तीन बजे सं कमानी ऑडिटोरियम मे होएत. ई कॉपरनिक्स मार्ग पर मंडी हाउस मेट्रो स्टेशन के पास अछि. आबय मे कोनो दिक्कत नञि होएत.

जयंती समारोह के उद्घाटन बिहार के पूर्व मुख्यमंत्री नीतीश
कुमार करताह.

समारोह मे वाल्मिकी प्रसाद सिंह, सांसद वशिष्ठ नारायण सिंह, केसी त्यागी, विजय कुमार चौधरी, राजीव रंजन सिंह ललन, पीके शाही, रामचंद्र प्रसाद सिंह और महाबल मिश्र जी सेहो रहताह.

आधुनिक बिहार के निर्माता श्रीबाबू 1946 सं 1961 तक राज्य के मुख्यमंत्री रहलाह. जयंती समारोह मे अहां सभ आमंत्रित छी.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु