मिथिलाक सांसद लेताह मैथिली मे शपथ (PHOTOS)

एहि बेरक लोकसभा चुनाव मे जीत क आएल मिथिलाक सांसद सभ लोकसभा आ मंत्री पदक शपथ मैथिली मे लेताह. एहन भरोस मिथिलाक सांसद सभ अखिल भारतीय मिथिला संघ के देलखिन्ह.

अखिल भारतीय मिथिला संघ के तरफ सं वृहस्पति दिन बिहार के सभ सांसद के अभिनंदन कएल गेल. दिल्ली के बिहार भवन मे सांसद सभ सं भेट करि हुनका सभ के
जीत के लेल बधाई देल गेल.

एहि अवसर पर मिथिला के सभ सांसद सं लोकसभा मे सांसदक आ मंत्री पदक शपथ मैथिली मे लेबय के आग्रह कएल गेल.

अखिल भारतीय मिथिला संघ के अध्यक्ष विजय चंद्र झा जीक नेतृत्व मे एकटा प्रतिनिधिमंडल मिथिलाक जेहि सांसद सभ सं मिललखिन्ह ओहि मे वीरेंद्र चौधरी, गिरिराज सिंह, जनार्दन सिंह सिग्रीवाल, तस्लीमुद्दीन, रामाकिशोर सिंह, नित्यानंद राय, हुकुमदेव नारायण यादव, पप्पू यादव, रंजीत रंजन, कीर्ति आजाद आओर अजय निषाद शामिल छथिन्ह.

अखिल भारतीय मिथिला संघ के प्रतिनिधि मंडल मे अनिल झा, के के झा, संजीव कुमार झा, घूरन झा, पवन सिंह यादव, परमेश्वर सिंह, जियाउर रहमान अशफाक आओर मिहिर कुमार झा शामिल छलखिन्ह.





Comments

Popular posts from this blog

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

दरभंगा मे नवाह यज्ञ

मोन मिथिले मे अछि...

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

कि इहे सभागाछी अछि ?

जिम्मेदार के ?

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा