Skip to main content

मोदी लहर के कारण बचल दरभंगा- मधुबनी सीट

देश भर मे छाएल मोदी लहर के असर मिथिला मे सेहो देखल लेल मिलय आओर एकरे कारण दरभंगा आओर मधुबनी मे बीजेपी अपन सीट बचा पाबए मे कामयाब रहल.

दरभंगा मे कीर्ति आजाद आओर मधुबनी मे हुकुमदेव नारायण यादव के खिलाफ लोक के काफी गुस्सा छल. मतदाता सभ हिनकर कामकाज सं खुश नहि छलखिन्ह. मुदा लोक सभ के नजर मे
... दिमाग मे नरेंद्र मोदी छाएल छलखिन्ह जेहि कारण ई दूनु अपन सीट बचा पाबए मे सफल रहलाह.

चुनाव प्रचार के समय कई ठाम वोटर उम्मीदवार के सामने ई साफ-साफ कहि देलखिन्ह जे हम एहि बेर अहां के नाम पर नहि मोदी के नाम पर वोट द रहल छी.

कीर्ति जी तेसर बेर एमपी बनलाह. एहि सं पहिने हमर गाम केवटी के श्रीनारायण लाल दास जी आजादी के बाद भेल चुनाव मे लगातार तीन बेर दरभंगा के प्रतिनिधित्व करलाह...हिनका बाद आरजेडी नेता मो अली अशरफ फातमी तीन बेर एमपी बनलाह.

कीर्ति जी करीब 35 हजार आओर हुकुमदेव जी करीब 21 हजार वोट के मार्जिन सं जीतलाह. आब हिनका सभ के सेहो देखाबय पड़तन्हि जे सच मे अच्छे दिन आ गए हैं.

आब कीर्ति आओर हुकुमदेव जी इलाका लेल काज नहि करताह...विकास मे भागीदार नहि बनताह तं इहे मतदाता हिनका बाहर करय के सेहो ताकत राखय छथिन्ह.

मतदाता मोदी के नाम पर एहि बे हिनका दूनु के मौका देलखिन्ह मुदा काज नहि करलाह पर ई गुस्सा फेर बरैस सकैत अछि.

कीर्ति आजाद आओर हुकुमदेव जी के दिल्ली मे दरभंगा-मधुबनी के समस्या परेशानी...विकास के बात उठाबय पड़तैन्हि. शिक्षा, खाद्य प्रसंस्करण, आईटी आओर रोजगार के क्षेत्र मे काफी किछ करय के जरूरत अछि.

एहन किछ करय के जरूरत अछि जेहि सं लोक के अपन गाम-घर आओर इलाका सं बाहर जाए के लेल...पलायन करय के लेल विवश नहि होए पड़य.

बिहार मिथिला लेल रेल संपर्क सुविधा बढ़ाबय के जरूरत अछि एहि लेल हिनका सभ के आवाज उठाबय पड़तन्हि. हिनका किछ एहन करय के जरूरत छन्हि जेहि सं लोक बिहार मे गुजरात के गाथा नहि गाबथिन्ह... बल्कि बाहर जा बिहार के गाथा सुनैथिन्ह.

अहां के पता अछि जे असल मे देश भर मे मोदी के जीत के सभ सं पैघ कारण की अछि?

मोदी के जीत के सभ सं पैघ कारण यूपी, बिहार, बंगाल, असम आओर दोसर ठाम सं रोजगार लेल लोक के गुजरात जनाय अछि.

असल मे देश भर सं लाखों लोक रोजगार लेल गुजरात जाए छथिन्ह आओर गुजरात के विकास के देखय छथिन्ह.
ओहिठामक सुरक्षा व्यवस्था, कामकाज के तरीका, शासन के तरीका, इंफ्रास्ट्रक्चर, लोक सभ के खुशहाल जीवनस्तर, पढ़ाई-लिखाई के सुविधा आओर रोजगार के अवसर के देखय छथिन्ह.

गुजरात के साफ-सफाई, चिकन-चुपड़ सड़क देखय छथिन्ह आ जखन ओ अपन राज्य आ गुजरात के तुलना करय छथिन्ह तं जमीन- आसमान के अंतर पाबय छथिन्ह.

एहन मे हुनका मन मे विचार आबय छनि जे काश हमर बिहार-यूपी सेहो एहने रहैत. ई बात एकटा नव सपना के जन्म दैत अछि. एहन मे जखन मोदी पीएम पद के उम्मीदवार बनि हुनका ई सपना देखाबय छथिन्ह कि जे... हम अहां लेल ई करब-ओ करब तं हुनका लगै छनि जे ई आदमी एकरा करि क देखा सकैत अछि.

लोक मे मोदी के प्रति भरोसा पैदा होएत अछि आओर एहि भरोसा के ओ अपना गाम सं गुजरात गेल आदमी सं पाबैत छथिन्ह. जे हुनका गुजरात के विकास गाथा सुनाबय छथिन्ह.

एक तरह सं कहल जाए तं गाम सं गुजरात गेल आदमी हुनकर प्रचार के काज करलखिन्ह.

एहि सं साफ अछि जे आब कीर्ति आओर हुकुमदेव के बिना काज करने काज नहि चलय वाला छनि.


Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...