नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मोदी लहर के कारण बचल दरभंगा- मधुबनी सीट

देश भर मे छाएल मोदी लहर के असर मिथिला मे सेहो देखल लेल मिलय आओर एकरे कारण दरभंगा आओर मधुबनी मे बीजेपी अपन सीट बचा पाबए मे कामयाब रहल.

दरभंगा मे कीर्ति आजाद आओर मधुबनी मे हुकुमदेव नारायण यादव के खिलाफ लोक के काफी गुस्सा छल. मतदाता सभ हिनकर कामकाज सं खुश नहि छलखिन्ह. मुदा लोक सभ के नजर मे
... दिमाग मे नरेंद्र मोदी छाएल छलखिन्ह जेहि कारण ई दूनु अपन सीट बचा पाबए मे सफल रहलाह.

चुनाव प्रचार के समय कई ठाम वोटर उम्मीदवार के सामने ई साफ-साफ कहि देलखिन्ह जे हम एहि बेर अहां के नाम पर नहि मोदी के नाम पर वोट द रहल छी.

कीर्ति जी तेसर बेर एमपी बनलाह. एहि सं पहिने हमर गाम केवटी के श्रीनारायण लाल दास जी आजादी के बाद भेल चुनाव मे लगातार तीन बेर दरभंगा के प्रतिनिधित्व करलाह...हिनका बाद आरजेडी नेता मो अली अशरफ फातमी तीन बेर एमपी बनलाह.

कीर्ति जी करीब 35 हजार आओर हुकुमदेव जी करीब 21 हजार वोट के मार्जिन सं जीतलाह. आब हिनका सभ के सेहो देखाबय पड़तन्हि जे सच मे अच्छे दिन आ गए हैं.

आब कीर्ति आओर हुकुमदेव जी इलाका लेल काज नहि करताह...विकास मे भागीदार नहि बनताह तं इहे मतदाता हिनका बाहर करय के सेहो ताकत राखय छथिन्ह.

मतदाता मोदी के नाम पर एहि बे हिनका दूनु के मौका देलखिन्ह मुदा काज नहि करलाह पर ई गुस्सा फेर बरैस सकैत अछि.

कीर्ति आजाद आओर हुकुमदेव जी के दिल्ली मे दरभंगा-मधुबनी के समस्या परेशानी...विकास के बात उठाबय पड़तैन्हि. शिक्षा, खाद्य प्रसंस्करण, आईटी आओर रोजगार के क्षेत्र मे काफी किछ करय के जरूरत अछि.

एहन किछ करय के जरूरत अछि जेहि सं लोक के अपन गाम-घर आओर इलाका सं बाहर जाए के लेल...पलायन करय के लेल विवश नहि होए पड़य.

बिहार मिथिला लेल रेल संपर्क सुविधा बढ़ाबय के जरूरत अछि एहि लेल हिनका सभ के आवाज उठाबय पड़तन्हि. हिनका किछ एहन करय के जरूरत छन्हि जेहि सं लोक बिहार मे गुजरात के गाथा नहि गाबथिन्ह... बल्कि बाहर जा बिहार के गाथा सुनैथिन्ह.

अहां के पता अछि जे असल मे देश भर मे मोदी के जीत के सभ सं पैघ कारण की अछि?

मोदी के जीत के सभ सं पैघ कारण यूपी, बिहार, बंगाल, असम आओर दोसर ठाम सं रोजगार लेल लोक के गुजरात जनाय अछि.

असल मे देश भर सं लाखों लोक रोजगार लेल गुजरात जाए छथिन्ह आओर गुजरात के विकास के देखय छथिन्ह.
ओहिठामक सुरक्षा व्यवस्था, कामकाज के तरीका, शासन के तरीका, इंफ्रास्ट्रक्चर, लोक सभ के खुशहाल जीवनस्तर, पढ़ाई-लिखाई के सुविधा आओर रोजगार के अवसर के देखय छथिन्ह.

गुजरात के साफ-सफाई, चिकन-चुपड़ सड़क देखय छथिन्ह आ जखन ओ अपन राज्य आ गुजरात के तुलना करय छथिन्ह तं जमीन- आसमान के अंतर पाबय छथिन्ह.

एहन मे हुनका मन मे विचार आबय छनि जे काश हमर बिहार-यूपी सेहो एहने रहैत. ई बात एकटा नव सपना के जन्म दैत अछि. एहन मे जखन मोदी पीएम पद के उम्मीदवार बनि हुनका ई सपना देखाबय छथिन्ह कि जे... हम अहां लेल ई करब-ओ करब तं हुनका लगै छनि जे ई आदमी एकरा करि क देखा सकैत अछि.

लोक मे मोदी के प्रति भरोसा पैदा होएत अछि आओर एहि भरोसा के ओ अपना गाम सं गुजरात गेल आदमी सं पाबैत छथिन्ह. जे हुनका गुजरात के विकास गाथा सुनाबय छथिन्ह.

एक तरह सं कहल जाए तं गाम सं गुजरात गेल आदमी हुनकर प्रचार के काज करलखिन्ह.

एहि सं साफ अछि जे आब कीर्ति आओर हुकुमदेव के बिना काज करने काज नहि चलय वाला छनि.


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु