सुपौल मे आरजेडी नेता के हत्या

सुपौल मे आरजेडी नेता रविन्द्र यादव के लोहा के रॉड से पीट-पीट कs हत्या करि देल गेलन्हि.

रविन्द्र यादव जी के लोहियानगर मे हुनकर घर के करीबहि वृहस्पतिवार के राति मे हत्या करि देल गेलन्हि.

पुलिस के अनुसार ओ राति मे अपन घर पर सुतल छलाह कि किछ लोग हुनका
आवाज दsक बाहर बुलौलखिन्ह. बाहर निकललाह पर हुनका रॉड सं पीट-पीट कs मारि देल गेलन्हि.

रविन्द्र यादव जी पिछला विधानसभा चुनाव सुपौल सं आरजेडी के टिकट पर लड़ने छलखिन्ह.

रविन्द्र जीक हत्या के बाद इलाका मे तनाव अछि. आरजेडी कार्यकर्ता सभ विरोध प्रदर्शन सेहो कएलखिन्ह. हत्या के बाद तनाव के देखैत सुरक्षा सख्त करि देल गेल अछि.

Comments

Popular posts from this blog

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

अहाँ मैथिली बजै छी की ?

हमर विआह- 8

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

आंसू

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप

गुजरात मे पहिल दिन...

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

अलग मिथिला राज्य लेल जंतर-मंतर पर विशाल प्रदर्शन, ट्विटर पर MithilaRajya हैशटैग करि रहल अछि टॉप ट्रेंड