Skip to main content

एना मे केना बनत मिथिला राज्‍य ?

अलग मिथिला राज्य बनाबए के लेल एक बेर फेर आवाज उठि रहल अछि. मिथिला राज्य के लsक रविदिन 19 तारीख के दिल्ली कंस्टीच्यूशनल क्लब मे एकटा संगोष्ठी भेल.

एहि संगोष्टी मे मिथिला राज्य निर्माण सेना के एकटा वेबसाइट www.mrns.in के लोकार्पण सेहो भेल. एहि मे बीजेपी के मुख्यपत्र के सहायक संपादक संदीप सिन्हा जी जी-जान सं जुटल छथिन्ह.

संजीव जी मिथिला राज्य के लेल संघर्षरत सभ गुट के एकठाम लाबय मे लागल छथिन्ह. हुनका कामयाबी सेहो मिल रहल छनि.

वेबसाइट के लोकार्पण से पहिने संजीव जी मिथिला राज्य के मांग पर किछ लिख क देबय लेल कहने छलाह. अगर अलग मिथिला राज्य बनैत अछि तं बड़ खुशी होएत...मुदा सवाल उठैत अछि कि एहिना बनत मिथिला राज्य?

हम हनुका वेबसाइट के लेल जे अपन विचार
लिख कs देने छलहुं ओ अहां के सामने एहिठाम राखि रहल छी.

मिथिला राज्य निर्माण के लेल आंदोलन सं जुड़ल लोक के कहनाए छनि जे मिथिला के संग भेदभाव भ रहल अछि.

सात करोड़ मैथिली बाजय वाला इलाका होए के बादहुं मिथिला के अलग राज्य नहि बनाएल गेल अछि जखन कि संविधान तक मे जनसंख्या के आधार पर राज्य बनाबए के बात कहल गेल अछि.

लोकसभ के इहो कहनाए छनि जे केंद्र आओर बिहार सरकारक रवैया के कारण मिथिलाक प्राचीन गौरवशाली संस्कृति के खत्म होए के संकट पैदा भ गेल अछि. बिना अलग राज्य बनने मिथिलाक विकास नञि होएत.

मुदा सवाल अछि जे मिथिला राज्य बनत की? किएक बनय मिथिला राज्य? कि राज्य बनला पर मिथिला सेहो झारखंड जकां अराजकता के हाल मे नञि पहुंचि जाएत?

कि मिथिला मे कोनो एहन नेता…लीडर अछि जिनका पूरा इलाका मे मान्यता छनि? कि कोनो एहन नेता छथिन्ह जिनका एक इशारा पर पूरा मिथिला उठि ठाड़ भ जाए?

हमरा नजर में अखन धरि तं कोनो सर्वमान्य नेता नञि देखा रहल छथिन्ह.

कि कोनो एहन नेता छथिन्ह जे सच मे मिथिला के विकास के रास्ता पर ल जाए मे सक्षम छथिन्ह? कि राज ठाकरे जैसन कोनो लीडर अछि जे मैथिली-मिथिला के लेल सरकार के चुनौती द सकय?

अहां खुद सोचिऔ…पूरा मिथिला मे कोनो ऑफिस…दोकान…स्टेशन…बस स्टैंड मे मैथिली मे लिखल किछ दिखाएत अछि अहां के? कि अहां के पूरा इलाका मे कतहुं… कोनो पोस्टर- बैनर मैथिली मे लिखल मिलैत अछि.

कि मिथिला मे बच्चा के प्राइमरी स्कूल मे मैथिली पढ़य लेल मिलैत अछि? कि कोनो स्कूल-कॉलेज मे मैथिली अनिवार्य अछि? मन अछि तं पढूं नहि तं कोनो बात नञि.

आखिर बच्चा सभ मैथिली पढ़बो किएक करताह…ई रोजगार सं तं जुड़ल नञि अछि. पढ़ि क कोन फायदा… जखन रोजगार- नौकरी नञि मिलत.

मैथिली मे कइटा पेपर…चैनल निकलैत अछि? आंगुर पर गिनय लायक अखबार-पत्रिका अछि आओर चललौं अहां अलग राज्य बनाबए. सोचिऔ.

मैथिली मे लsद क एकटा सौभाग्य मिथिला चैनल छल सेहो बिक गेल.

दरभंगा से मिथिला आवाज अखबार निकलि रहल अछि. धन्य सीएम झा जी जे एहि अखबार के निकलालखिन्ह. मुदा कतेक दिन चलत तकर ठेकान नञि.

ईश्वर सं तं इहे प्रार्थना जे कम सं कम ई अखबार चलय नञि तं फेर कोनो दोसर आदमी मैथिली मे अखबार निकालय के हिम्मत नञि करताह.

मुदा अखन धरि जेना ई अखबार चलि रहल अछि ओहि सं ई आम लोक मे पकड़ बनाबय में विफल रहल अछि. पाठक जे चाहय छथिन्ह ओ ई अखबार देबय मे कामयाब नञि भ पाबि रहल अछि.

मिथिला मे लोक सभ मैथिली के जगह हिंदी अखबार खरीद पढ़य छथिन्ह. एकर एक कारण हमरा जकां लोक के मैथिली पढ़य-लिखय नञि अनाए सेहो अछि.

जखन मैथिली मे पढ़ाई नहि होएत तखन पढ़य आएत केना… आओर अखबार खरीद पाई बरबाद किएक करब. एहन मे मैथिली मे केना कोनो अखबार-पत्रिका निकलत.

सिर्फ संविधानक भाषा आ परीक्षा मे शामिल होए सं कोन फायदा मिलत जखन अहां के मैथिली पढ़य-लिखय नञि आएत.

दोसर ठाम के तं बात छोड़ु दरभंगा-मधुबनी के दस किताबक दोकान मे खोजला पर अहांक किस्मत नीक होएक तं कोनो एकटा पर मैथिली मे किताब मिल जाएत. आब तं दरभंगा मे हरिमोहन झा जीक किताब हिंदी मे मिल जाएत मुदा मैथिली लेल पसीना बहाबय पड़त.

मिथिला…मैथिली सं जुड़ल आंदोलन चलाबय वाला लोक सभ पर जाति-भाईभतीजावाद सं जुड़ल आरोप सेहो लगैत अछि. एहि सं बचबाक चाही. सभ के संग लेने बिना काज नञि चलत.

दोसर बात ई जे अलग राज्य बनत तं किनका मुख्यमंत्री बनैबन्हि. कीर्ति झा आजाद… शकील अहमद… हुकुमदेव नारायण यादव… अली अशरफ फातमी जैसन नेता के…जे अखन धरि इलाका के विकास लेल किछ नहि करि सकलाह.

अखन के नेता तं अपन छोट लोक सभा क्षेत्र के विकास करय मे सक्षम नहि छथिन्ह राज्य के मुख्यमंत्री बनताह सं लोटिया डूबैबे करताह नञि.

अखन मिथिलाक कोनो एहन नेता नञि छथिन्ह जे नरेन्द्र मोदी…रमन कुमार…शिवराज सिंह जैसन इलाका के विकास करय लायक होएताह.

कि कोनो एहन नेता छथिन्ह जे सभ कंपनी के प्रचार…सभ सरकारी पोस्टर-बैनर… गाइडलाइन…सूचना मैथिली मे करबाबय के हिम्मत राखय छथिन्ह. खुद मिथिलाभाषी लोक मे आम राय नञि अछि.

अखन मिथिलाक जतेक एमपी…एमएलए छथिन्ह ओहि मे सं कोनो विकास पुरुष लायक नहि छथिन्ह.

कि अहां के लगैत अछि जे मिथिला मे कोनो एकटा एहन नेता छथिन्ह जे विकास पुरुष बनि सकय छथिन्ह आ हुनका मे ओ सामर्थ्य छनि? एना मे केना बनत मिथिला राज्‍य?

Comments

  1. Hitendra ji hum ahan s sahmat chhi. sab sa pahne hamra sab ke maithili bajy parat. hamar mithilaanchal ke neta sab ke mathili me baje partain.manch se mathili me bhasan kary parat. ja dhari mathili bhasa ke vikash nay hoyat. ta dhari mithila rajya ke mang bamani achhi.

    ReplyDelete
  2. bahut nik lagal aahak e katu satya ek bat pata karbak chal je Sobhagya Mithila TV band bh gel Ki?

    ReplyDelete
  3. Bahut nik lagal ahhak e katu satya or ek bat kahu ki Sobhagya Mithila TV band Bh Gel Ki?

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...